विराटनगर १२ पुष । लायन्स आ लियो क्लब अफ विराटनगर मिल्स एरियाके पदस्थापन कार्यक्रम सम्पन्न भेल अछि ।
विराटनगरके एकटा निजी होटलमें आयोजित कार्यक्रमकेबीच लायन्स क्लब अफ विराटनगर मिल्स आ लियो क्लब अफ विराटनगर मिल्सके नवनिर्वाचित पदाधिकारीसबहक पदस्थापन भेल अछि । कार्यक्रमकेबीच लायन्स क्लब अफ विराटनगर मिल्सके अध्यक्षमें प्रहलाद बस्नेत आ नवगठित लियो मिल्सके अध्यक्षमें प्रशंसा बस्नेतके पदस्थापन कएलगेल अछि । हुनकासबके लायनबर्ष २०२१–२२ के जिम्मेबारीसहित पदस्थापन कएलगेल अछि । अध्यक्षद्वय बस्नेतसंगे दुनु क्लबके आन पदाधिकारी आ सदस्यसब सेहो कार्यभार ग्रहण कएने अछि । अध्यक्ष तथा पदाधिकारीसबके लायन्स क्लब ईन्टरनेश्नल ३२५ एवानके डिस्ट्रिक गर्भनर रेबतबहादुर कार्की पदस्थापन करौने छलथि ।
कार्यक्रमकेबीच लायन्स मिल्सके निर्वतमान अध्यक्ष कैलाश साह नया कार्यसमितिके सम्पुर्ण जिम्मेबारी हस्तान्तरण कएनेछलथि । ओहि अवसरमें बजैत डिस्ट्रिक गर्भनर कार्की लायन्सके मर्म अनुसार सेवा कार्यके तीब्रता देबहेतु नवचिर्वाचित पदाधिकारीसबके आग्रह कएलनि । लियो अध्यक्ष बस्नेत लायन्सके उद्धेश्य अनुसारके सेवाकार्यके थप तीब्रता देबाक प्रतिबद्धता ब्यक्त कएने छलथि ।
ओहि अवसरमे लायन्सके पुर्व गर्भनर फुलकुमार लालबानी,पुर्व डिस्ट्रिक गर्भनरहरु इन्द्र खत्री राजन,लिलाकुमार ढुंगेल आ लायन्स मिल्सके चार्टड प्रेसिडेण्ट मनोज साह लगायत शुभकामना मनतब्य रखने छलथि ।