विराटनगर १३ मंसिर । विराटनगरमें आयोजन होबएजारहल ‘मान ईन्टरनेशनल अवार्ड–२०२४’ वितरण कार्य विवादमें परल अछि ।

उक्त अवार्ड प्राप्त केनिहार ब्यक्ती चयनके क्रममें आयोजक समितिद्वारा छनौट भेल ब्यक्तीसबसँ रुपैयाके मोलतोल कएलापर विवाद भेल अछि । विराटनगरके मैथिली एसोसिएशन नेपाल नामक संस्था अगहन (मंसिर) १५ गते विराटनगरके स्वागतम होटलमें एकटा कार्यक्रमक आयोजनक उक्त अवार्ड वितरण करवाक घोषणा कएने अछि ।

ओहि कार्यक्रमकबिच नेपाल तथा भारतक विविध क्षेत्रके ६० गोटेके अवार्ड वितरण करवाक साथे ३ दर्जनसँ बेसी लोकके सम्मान वितरण कएलजेवाक कार्यक्रम सार्वजनिक भेल अछि । आयोजक संस्था अवार्डीक छनौटहेतु फर्म जारी कएने छल जाहिमें छनौटभेल स्रष्टासबसँ प्रति अवार्ड ८ हजार सँ लक १० हजार रुपैयाँधरि माग कएलगेल बात बहराएल अछि ।

उक्त बिषय स्पष्ट भेलासंगे मैथिली भाषा सम्बद्ध संघसंस्था,पत्रकार सहित अभियन्तासब विरोध कएने अछि । उक्त बिषयके समेटक मैथिल सञ्चारकर्मी संघ नेपाल,मधेशी पत्रकार समाज,प्रेस मंच मोरङ आ मैथिल ब्राह्मण महासभा युवा समिति विराटनगर विरोध जाहिर करैत संयुक्तरूपमें विज्ञप्ति प्रकाशित कएने अछि ।

उक्त संस्थासब भाषा–संस्कृतिके नामपर कएलजारहल ब्यापारिकरण तत्काल रोकवाक मांग कएने अछि । संस्थासबद्वारा जारी कएलगेल संयुक्त विज्ञप्तिमें ‘आयोजकद्वारा स्पोन्सरसीपके नामपर १० हजार रुपैया लक अवार्ड वितरण करवाक प्रक्रिया सार्वजनिक केनाई अत्यन्त निन्दनीय बात रहल उल्लेख अछि । एहन काज अवार्डके वास्तविक मर्म आ योगदानक उपहास करैत अछि ।

मैथिली भाषाके उत्थानहेतु योगदान केनिहार ब्यक्तीत्वसबके उचित सम्मान देबएके बदला रुपैया देलापर कोनो ब्यक्तीके अवार्ड देबएके प्रचलनसँ अहि कार्यक्रमक उद्धेश्य आ विश्वसनियता उपर गम्भिर प्रश्न उठल अछि ।’ विज्ञप्तिमें कहलगेल अछि ।

संस्थाद्वारा विज्ञप्ति जारी भेला पश्चात आयोजक समिति पत्रकार सम्मेलन कक कार्यक्रमके ओैचित्य स्पष्ट करवाक प्रयास कएने अछि । पत्रकार सम्मेलनमें बजैत एसोसिएशनके अध्यक्ष प्रवीण नारायण चौधरी मैथिली भाषाके कार्यक्षेत्रके आन भाषाभाषी समुदायमें घुलमिल करएवाक उद्धेश्य सहित स्रष्टा,उद्यमी,कलाकार,गायक,शिक्षाविद आ समाजसेवीसबके अवार्ड प्रदान करलागल जानकारी देने छथि ।

ओ स्थानीय निकाय वा आन कोनो सरकारी सहयोग नैभेटलासँ संस्थामें आबद्ध ब्यक्तीसबहक मेहनतसँ प्रायोजक जुटाक कार्यक्रम करलागल दाबी सेहो कएलनि । अध्यक्ष चौधरी संस्थाके कोनो पदाधिकारीस जँ कोनो त्रुटी भेल होए त सुधार कक आगा बढएके प्रतिबद्धता सेहो ब्यक्त कएने छथि ।

पत्रकार सम्मेलनमें सहभागि संचारकर्मी वीरेन्द्र साह अवार्ड लेल फर्म भरनिहार मोरङके सुनबर्षी नगरपालिकाके ८ बर्षीय एकगोटे बालकके आयोजक समितिद्वारा बाल गायक अवार्डके योग्यता अनुसार छनौट कएलापश्चात अवार्ड प्राप्त करवाकलेल ८ हजार रुपैया मांग कएलगेल दाबी कएलनि ।

बालकके अभिभावक आयोजकद्वारा कहला अनुसारके रकम नै दसकलापर अवार्डक सुचिसँ ओहि बालकके नाम हटाएलगेल बालक पिता सनोज साह मार्फत जानकारी भेल ओ बतौने छथि । आयोजक समितिके पदाधिकारीद्वारा बालकके अभिभावकसंग रकम माग कएलगेल प्रमाण अपना लग सुरक्षित रहल साहके कहब छन्हि ।

मैथिली संचारकर्मी संघक अध्यक्ष नवीन कर्ण अवार्ड वितरणके नामपर एसोसिएशनद्वारा अवार्ड ग्रहण केनिहार ब्यक्तीसँ रुपैया मांग केनाई आ बेसी सँ बेसी रकम संकलनके उद्धेश्यसँ दर्जनों ब्यक्तीके एकेबेर अवार्ड वितरण करवाक तयारी भाषाके नामपर ब्यापारिक आ स्वार्थपरक गतिविधि भेनाई दुर्भाग्यपुर्ण रहल बतौलनि ।

मधेशी पत्रकार समाजक अध्यक्ष श्याम सुन्दर सुतिहार एसोसिएशनके अहि प्रकारक गतिविधिसँ वास्तविक योगदानकर्ताके मनोबल कमजोर होएत कहैत एहन कार्य अविलम्ब रोकलजाए वा आयोजक समिति सुधारिक कार्यक्रम करथि बतौलनि । पत्रकार पदम सरदार आयोजक संस्था गैर नाफामुलक संस्था रहलोपर अवार्डीसँ रकम लेबके अलावा प्रायोजक तथा कार्यक्रममें सहभागिता हेतु सेहो टिकट बेचक नाफामुलक गतिविधि करहल आरोप लगौलनि ।

पत्रकार सोनुकुमार दास आयोजक समितिसँ अवार्ड तथा सम्मान प्रदान कएलजारहल ब्यक्तीसबहक विवरण मांग कएलापर कार्यक्रम समापन भेलापश्चात मात्र विवरण उपलब्ध कराओलजाएत बात आयोजक समितिद्वारा बताओलगेल जानकारी देलनि ।

तेली समाज नेपालक अध्यक्ष डा.बालकृष्ण साह आयोजक मैथिली एसोसिएशन नेपाल भाषा–संस्कृतिके क्षेत्रमें काज केनिहार एकटा एनजीओ रहलोपर संस्थाके नामसंग एशोसिएशन जोडलगेलासँ उक्त संस्थाद्वारा बहुसंख्यक मैथिली भाषीके प्रतिनिधित्व कएलाजेहन भ्रम सृजना भेल बतौलनि । जाति,भाषा आ समुदायके नामपर भ्रम सृजना होबएबला नाम दर्ताके अनुमति देनाई उचित नैरहल हुनक धारणा अछि ।

एसोसिएशनक अवार्ड वितरण कार्यक्रममें कोशी प्रदेशक पर्यटन,वन तथा वातावरण मन्त्री सदानन्द मण्डलके प्रमुख अतिथिकेरुपमें आमन्त्रण कएलगेल अछि

तहिना कोशी प्रदेश चलचित्र बोर्डक अध्यक्ष अरुण प्रधान,फिल्म निमात्री दीपाश्री निरौला,गायक सुमित खड्का आ सीताराम पोखरेल लगायतके अतिथिके रुपमें आमन्त्रण कएलगेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु