विराटनगर । मोरङमें २ लाखसँ बेसी धियापुताके दादुरा–रुबेलाके खोप लगाबके तैयारी कएलगेल अछि ।
अहि फागुन १३ गते सँ शुरु होबएबला अभियान अन्तर्गत ९ महिनासँ १५ वर्ष धरिक धियापुताके खोप लगाबके तैयारी कएलगेल अछि । स्वास्थ्य कार्यालय मोरङ अभियान अन्तर्गत २ लाख ८१ हजार बालबालिकाके खोप लगाबके लक्ष्य रखने अछि ।
१५ दिनक खोप अभियानमें मोरङके १७ स्थानीय तहमें खोप कार्यक्रम सञ्चालन कएलजाएत स्वास्थ्य कार्यालय मोरङके प्रमुख डा. सुरेश मेहता जानकारी देनेछथि । दादुरा–रुबेला खोप अभियानमें १ हजार ५ सौ सँ बेसी खोप केन्द्र मार्फत बालवालिकाके खोप प्रदान कएलजाएत ओ जानकारी देने छथि ।
खोप कार्यक्रम अन्तर्गत दादुरा रुबेलाके अलावा नियमित खोप नैलगएनिहार बालबालिका सेहो पहिचान कक खोप देवाक तैयारी कएलगेल अछि । जाहि अन्तर्गत डिपीटी, पिसीभी आ आईपिभी खोप लगाबएके सरकारी योजना रहल अछि । सन् २०२६ धरि दादुरा रुबेला निवारण करवाक सरकारी लक्ष्य राखलगेलोपर एम्हर आबिक मोरङ लगायत जिल्लामें दादुरा रुबेलाके संक्रमण अपेक्षाकृत रूपमें कम नै अछि ।
सरकारी तथ्यांक अनुसार हाल दादुरा रुबेलाके खोपमें ८४ प्रतिशत बालबालिकाके पहुँच भेल अछि मुदा निवारणके लेल कमसँ कम ९५ प्रतिशत लक्षित समूहके खोपमें पहुँच आवश्यक रहल बताओलगेल अछि ।