विराटनगर । भारतके बथनाहासँ विराटनगर धरिके मालवाहक रेल सेवा जल्दीए संचालन होमए जारहल अछि ।
किछु दिन भितरे कार्गो रेल संचालनके तैयारी रहलास रेलके लिक आ स्टेशन लगायतक अवस्थाके बिषयमें परीक्षण कएलगेल अछि । भारतीय रेल्वेके उच्च अधिकृतसब बृहस्पतिदिन बथनाहास विराटनगर रेलयार्ड धरि रेल चलएबला लिकके अवस्थाके भौतिक परीक्षण कएने अछि ।
भारतीय रेल्वे मालेगाउँ जोनके प्रोफेसर चिफ सेफ्टी अफिसर सिताराम सिंकुुके नेतृत्वमें पहुँचल टोली अवस्थाके चेकजाँच कएने अछि । लिक आ आन संरचनाके जाँच पश्चात रेल फेरसँ भारत दिस घुमल छल । परीक्षणके क्रममा एकदू स्थामें रेल लिकपर सामान्य खराबी भेटल छल जेकरा तत्काल मर्मत कएलगेल छल ।
जुन महिनाके पहिल सपताहस कार्गो रेल संचालनके तैयारी कएलजारहल रेल्वे सिभिल वर्क ईन्चार्ज शिवकुमार मण्डल जानकारी देने छथि । परीक्षणके क्रममें स्टेशन,सिंग्नल आ लिकके भौतिक अवस्था नीक भेटल नेपाल–भारत रेल यात्री सहजीकरण समिति,जोगबनीके अध्यक्ष राजेशकुमार शर्मा जानकारी देनेछथि ।
बथनाहा रेलवे स्टेशनस विराटनगरके बुधनगरस्थित नेपाल कष्टम यार्डतकके लगभग सात किलोमिटर दुरीमें पहिल बेर २०७६ कार्तिकमें रेल्वे लिक परीक्षण कएलगेल छल । संघीय सरकारके रेल्वे विभाग, भौतिक योजना तथा पूर्वाधार विकास मन्त्रालय रेल्वे सञ्चालनके लेल बनाएलगेल पूर्वाधार भारत पक्षसँ ग्रहण कएला पश्चात रेल सञ्चालन होएत ।
कार्गो रेलकेलेल अन्तिम स्टेशन विराटनगर पुरुबके कटहरीमें निर्माण करके रहलोपर जमिन मुआब्जा विवादके कारण काम रुकल अछि । २०६८ सालस शुरु भेल बथनाहा–कटहरी रेलमार्गके निर्माण कार्य २०७३ सालमें सम्पन्न करएके लक्ष्य राखलगेल छल ।