विराटनगर । नेपाल भारत सिमा क्षेत्रमें रहल दशगजाके जमिन खाली कराएलजारहल अछि ।

दूनुतर्फके सिमा सुरक्षा बलके संयुक्त उपस्थितिमें दशगजा क्षेत्रमें निर्माण कएलगेल अवैध झोपडी हटाबएके काज शुरु भेल अछि । ओहि क्रममें विराटनगर महानगरपालिकाके १६ नं वडा तथा जोगबनी नगर परिषदके वार्ड नम्बर ५ ईन्द्रानगर,टिकुलिया बस्ती बिचके दशगज क्षेत्रसँ झोपडी तथा अवैध घरसब तोडिक हटाएलजारहल अछि ।

भारत सरकारके गृह मन्त्रालयद्वारा दशगजा क्षेत्र खाली कराबके निर्देशन अनुसार सीमा सुरक्षा बल एसएसबी सशस्त्र प्रहरी बल नेपाल सीमा सुरक्षा गुल्म रानीसँग सहकार्य कक ओहि क्षेत्रसबमें रहल घर आ झोपडीसब तोडके काज शुरु भेल अछि ।

बृहस्पति आ शुक्रदिन धरि लगभग १ सौ अवैध संरचना तोडलगेल अछि । दशगजा खाली करएलापर सिमाक्षेत्रके सुरक्षाके साथे आपराधिक गतिविधि नियन्त्रण करएमें सेहो सहज होएवाक अपेक्षा कएलगेल अछि । द

शगजा खाली कराबके कार्यके निरन्तरता देलजाएत सुरक्षा श्रोत जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु