विराटनगरमें सीता जन्म जयन्ती मनाओलगेल अछि । बैशाख शुक्ल नवमीके माता सीताके जन्म जयन्तिके रूपमें मनाओलजाईत अछि ।
ओहि अवसरमें अप्पन विराटगढ परोपकार समाज जानकी जयन्ती तथा परिचर्चा कार्यक्रम आयोजना कएने अछि । कार्यक्रममें देवी सिताके जीवनगाथाके बिषयमें चर्चापरिचर्चा कएलगेल छल । कार्यक्रममें बजैत सोनी कर्ण माता सीता शक्तीके अवतार रहलास हुनक जिवनसँ प्रेरणा लेबाकचाहि बतौलनि ।
समाजसेवी चन्द्रशेखर झा लक्ष्मीके अवतार देवी सीताके चरित्र त्याग, बलिदान आ आदर्शके प्रतिमुर्ति रहल बतौलनि । विराटनगर महानगरपालिकाके उपप्रमुख शिल्पा निराला कार्की माता जानकीके चरित्रके व्यवहारिक जीवनमें अनुसरण केनाई प्रत्येक महिलाके लेल आवश्यक रहल धारणा ब्यक्त कएने छलथि ।
सीता जयन्तीके उत्सवके रुपमें मनाबलेल कार्यक्रम आयोजन कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष बसुन्धरा झा बतौनेछथि । कार्यक्रमक बिच रचनाकार प्रेम नारायण झाके शब्द तथा वीरेन्द्र झाके स्वरमें रेकर्ड कएलगेल मैथिली भाषाके ‘रामके दुलारी’ बोलके गितके विमोचन कएलगेल छल ।
तहिना कलाकार सुमन झा मैथिली भाषाके आदिकवि कवि कोकिल विद्यापतिके जिवनीपर आधारित लघु नाटक प्रस्तुत कएलनि । कार्यक्रममें स्थानीय कलाकारगण मैथिली संस्कृतिसंग जुडल परम्परागत झिझिया आ जटजटिन नृत्य प्रस्तुत कएने छल । तहिना गायक भागवत मण्डल आ वीरेन्द्र झा माता सिता तथा मिथिलासँ सम्बन्धित गितसंगित प्रस्तुत कएने छलथि ।
सरोज देवी झाके अध्यक्षतामें भेल कार्यक्रममें विराटनगर महानगरपालिका वडा नम्बर १२ के वडाध्यक्ष हिरालाल कामत आ मैथिली सेवा समितिके अध्यक्ष ईन्जीनियर फुलकुमार देव लगायतके वक्तासब जानकी नवमी धुमधामसँ मनाबए बिषयमें जोड देने छलथि ।
कार्यक्रममें कलाकार मुन्ना कुमार झा,सञ्चारकर्मी प्रकाश प्रेमी,महिला नेतृ प्रिती झा,साहित्यकार कर्ण संजय,निर्देशक राजु चौधरी लगायतक सहभागिता छल ।