विराटनगर महानगरपालिका बहुतो दिनसँ सम्पर्कमें नैरहल १५ टा सहकारीके दर्ता खारेजी कएने अछि ।
कतेको बर्षसँ लेखा परीक्षण नहि करएनिहार तहिना साधारणसभा तथा विवरण नहि बुझएनिहार सहकारीसबके ऐन अनुसार खारेजी कएने महानगर जानकारी देने अछि । खारेजीमे परल सहकारी सबमें विराटनगर–२ के सक्रिय बचत तथा ऋण सहकारी संस्था लिमिटेड, विराटनगर–४ के पुष्पाञ्जलि बहुद्देश्यीय सहकारी, ५ के विराट कोशेलीघर, ५ के एक्सेचेन्ज बचत तथा ऋण सहकारी, ७ के सुमेरु बचत तथा ऋण सहकारी आ ८ के सहयोगी सहकारी संस्थाके दर्ता खारिज कएलगेल अछि ।
तहिना विराटनगर–९ के भिजन फर्मा सहकारी,खाटुश्याम बचत तथा ऋण सहकारी,सत्यम ओम साई बचत तथा ऋण सहकारी संस्था, सबल बचत तथा ऋण सहकारी संस्था, युरो बहुद्देश्यीय सहकारी संस्था लिमिटेड सेहो खारेजीमे परल अछि ।
महानगरके प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत विष्णुप्रसाद कोइरालाके अनुसार विराटनगर–१२ स्थित गजलक्ष्मी बचत तथा ऋण सहकारी, १४ के गरिमा बचत तथा ऋण सहकारी, १४ के बहुमूल्य कृषि सहकारी आ १५ के ऋद्धिसिद्धि बचत तथा सहकारी संस्थाके दर्ता सेहो खारिज भेल अछि ।
उक्त सहकारीसबके लेखापरीक्षण सहित आवश्यक कागजात सहितस म्पर्कमे आबएलेल महानगरपालिका बितल फागुन २२ गते सार्वजनिक सूचना प्रकाशित कएने छल ।