विराटनगर महानगरपालिका सडकपर रहएबला सामुदायिक कुकुर सबके बन्ध्याकरण तथा रेविज विरुद्धके खोप अभियान सञ्चालन कएने अछि ।

महानगर मेयर नागेश कोइराला आ प्रमुख प्रशासकीय अधिकृत विष्णुप्रसाद कोइरालाके उपस्थितिमें विराटनगर–१२ स्थित सामुदायिक भवनमें बन्ध्याकरण तथा रेविजविरुद्धके खोप अभियान सञ्चालन शुरु भेल अछि । अभियान अन्तर्गत १ हजार २ सौं कुकुरके बन्ध्याकरण करएके लक्ष्य रहल महानगरके पशुपंक्षी विकास शाखाके प्रमुख शुभनारायण यादव बतौलनि ।

महानगरके विभिन्न वडासँ नियन्त्रणमें लेल कुकुरके सम्पर्क कार्यालयमें लजाक बन्ध्याकरण कएलजारहल अछि । केन्द्रमें पशु विशेषज्ञ सब मेल आ फिमेल कुकुरके बन्ध्याकरण कररहल बतओलगेल अछि । सालिन नेपाल संगके सहकार्यमे बन्ध्याकरण अभियान सञ्चालन कएलगेल अछि ।

अभियान अन्तर्गत महानगरके बजेट सँ ६ सौं आ सालिन नेपालके आर्थिक सहयोगमे ६ सौं सामुदायिक कुकुरके बन्ध्याकरण कएलजाएत यादव जानकारी देने छथि । बन्ध्याकरण आ रेविजके खोप लगेलाबाद सम्बन्धित कुकुरके नियन्त्रणमें लेल स्थानमे लजाक छोडल जाएत ।

कुकुरके बन्ध्याकरण आ रेविज विरुद्धके खोपके लेल महानगरपालिका १५ लाख रुपैया विनियोजन कएने अछि । बन्ध्याकरण आ खोप लगाएल कुकुरके रिफ्लेक्टिभ वेल्ट सेहो बान्हल जाएत बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु