विराटनगर । विश्व हिन्दू परिषद नेपाल विराटनगर २ स्थित मानव सेवा आश्रमके नगद सहयोग उपलब्ध करौने अछि ।
परिषद, आश्रमके १६ हजार २ सौ नगद सहयोग रकम प्रदान कएने अछि ।

परिषदके मोरङ शाखा सभापति शोभा पोखरेल उक्त रकम आश्रमके संयोजक गंगा थापाके बुधदिन हस्तान्तरण कएलनि । रकम हस्तान्तरण कार्यक्रममें परिषदके कोषाध्यक्ष माधव काफ्ले, उर्मिला सुवेदी, बालकृष्ण भट्टराई, भूषण कोइराला, सरिता रेग्मी, सलिना कोइरालाके सेहो उपस्थित छल ।

ओहि अवसरमे बजैत आश्रमके संयोजक थापा तीन वर्ष पहिने स्थापित आश्रम स्थानीयके सहयोग आ सदभाव सँ संचालित होईत आएल बतौलनि । परिषदके सदस्य सरिता रेग्मीे मानव सेवा आश्रमके रकम प्रदान कएलापर सही काज भेल बातक अनुभूति भरहल बतौलनि । हाल ओहि आश्रममे ९० गोटा आश्रित ब्यक्ती रहैत आएल अछि ।

परिवारसँ परित्याग कएलगेल आ वेसहारा जीवन वितारहल लोक सबके उद्धार कक आश्रममें उपचार करएके साथे ओकरा सबके परिवारसँ पुर्नमिलन सेहो कराएलजाईत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु