विश्वव्यापी महामारीके रुपमे पसरल कोभिड–१९ संक्रमण पुनः बढलासँ विराटनगर महानगरपालिका स्वास्थ्य मापदण्ड पालन करएलेल महानगरवासीके आग्रह कएने अछि ।

महानगरपालिकाके तर्फसँ मेयर नागेश कोइरालके निजी सचिवालय मार्फत जारी भेल अपीलमे कोरोनाके जोखिम रहलासँ स्वास्थ्य मापदण्ड पालन करएलेल आग्रह कएलगेल अछि । कोभिड–१९ के फैलल संक्रमणके रोकथाम तथा नियन्त्रणके लेल रानी भन्सार नाकामें अटुट रुपमे एन्टिजेन्टके परीक्षण सेहो भरहल अपिलमे उल्लेख अछि ।

विराटनगर–१५ स्थित रानी अस्पताल, विराटनगर–५ स्थित आधारभूत स्वास्थ्य केन्द्र आ विराटनगर–१९ स्थित वैजनाथपुर अस्पतालमें कोभिड–१९ परीक्षणके व्यवस्था कएलगेल अपीलमे उल्लेख अछि । केस इन्भेष्टिगेसन तथा कन्ट्याक ट्रेसिङ, क्वारेन्टाइन, आइसोलेसन तथा स्वास्थ्यकर्मी परिचालन सहित आवश्यक सामग्रीके सेहो व्यवस्था कएलगेल महानगर जानकारी देने अछि ।

कोभिड–१९ जेहन मिलइत जुलइत लक्षण देखएलापर लगके स्वास्थ्य केन्द्रमें सम्पर्क करएलेल सेहो विज्ञप्ति मार्फत महानगरवासीसँ अनुरोध कएलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु