विराटनगर महानगरपालिका मुख्य सडकसबमें पार्किङ निषेध अभियानके निरन्तरता देने अछि ।

पार्किङस्थलके व्यवस्थित करएलेल किछ दिन स्थगित भेल पार्किङ निषेध अभियानके महानगर मंगलदिनसँ पुनः पूर्ववत् अवस्थामे कार्यान्वयन कएने अछि । मंगलदिन शनिमन्दिरसँ अस्पतालचोक, जलजलाचोकसँ पञ्चमुखी हनुमान मन्दिर, ट्राफिकचोक आसपास आ हिमालय रोडके पार्किङ निषेध करएके निर्णय महानगर कार्यान्वयनमे कएने अछि ।

पार्किङ स्थलमे सिसी क्यामेरा आ बिजली जडान करएके संगे गिट्टी राखिक व्यवस्थित कचुकल नगर प्रहरीके प्रमुख राजन पौडेल जानकारी देने छथि । व्यापारीसब पार्किङस्थलके व्यवस्थित आ सुरक्षित बनाबके माग करैत आएल छल । व्यापारीसबके माग सम्बोधन करैत किछु समय पार्किङ निषेधके स्थगन कक महानगर सिसी क्यामेरा आ बिजली जडान तथा जमिनपर गिट्टी दक व्यवस्थित करएमें लागल छल ।

सब पार्किङस्थल व्यवस्थित भेंलासँ आब क्रमशः पूर्ववत् निर्णयके कार्यान्वयन कएलजारहल मेयर नागेश कोइराला बतौनेछथि । ओ विराटनगरके व्यवस्थित बनाबलेल महानगरके अभियानमे साथ देबके आग्रह कएने छथि । सुरुमे किछु असहज महसुस भरहलोपर बादमे आदत भेलापर सहज होएत मेयर नागेश कोइराला बतौनेछथि ।

विराटनगरके साफ,सुन्दर आ व्यवस्थित बनाबएके अभियानमे साथ देबलेल मेयर कोइराला विराटनगरवासी सबके आग्रह सेहो कएने छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु