विराटनगर । कोशी प्रदेशमें प्रादेशिक होमियोपैथिक अस्पताल स्थापना करएहेतु सम्बद्ध चिकित्सकसब मांग कएने अछि ।
विश्व होमियोपैथिक दिवसके अवसरमें विराटनगरमे चैत २७ गते आयोजन कयलगेल कार्यक्रममे बजनिहार वक्तासब एहन बतौने अछि । कोशी प्रदेश स्वास्थ्य मन्त्रालयमें आयोजन कयलगेल कार्यक्रममे बजैत नेपाल होमियोपैथिक चिकित्सक संघके अध्यक्ष डाक्टर रविन्द्र राय होमियोपैथिक सस्ता,सुलभ आ प्रभावकारी चिकित्सा पद्धति रहलोपर सरकारसँ उपेक्षित रहल बतौने छलथि ।
ओ होमियोपैथिक के विकासके लेल २०७६ सालमें एकटा समिति गठन कक प्रदेश सरकारलके प्रतिवेदन देलाकेबादो ओहि अनुसारके प्रगति नै भसकल ओ उलहन देने छलथि । प्रतिवेदनमे देल सुझाव अनुसार प्रदेशके स्वास्थ्य संस्थासबमे होमियोपैथिक चिकित्सकसबके नियुक्ती करैत लजाएके कहलगेलोपर ओहि अनुसार नैभसकल ओ बतौने छलथि ।
होमियोपैथिकके विकासके लेल ५० शैय्याके प्रादेशिक अस्पताल तत्काल स्थापना करके मांग कएने छलथि । कार्यक्रमके सम्बोधन करैत कोशी प्रदेशके स्वास्थयमन्त्रि निर्मला तावा लिम्बु होमियोपैथिक चिकित्साके विकासके लेल सरकार प्रतिबद्ध रहल बतौने छलथि ।
वर्तमान नितिगत ब्यवस्था अनुसार अहि चिकित्सा पद्धतिके विकासके लेल पहल करबाक ओ प्रतिबद्धता सेहो ब्यक्त कएने छलथि । कार्यक्रममें होमियोपैथिक चिकित्सक संघके महासचिव डाक्टर रविप्रकाश होमियोपैथिक के विकास आ वर्तमान अवस्था विषयक कार्यपत्र प्रस्तुत कएने छलथि ।
प्रदेश एकमे हाल ३ टा होमियोपैथिक चिकित्सक आ ३ गोटे होमियोपैथीक साहायक करारमे नियुक्ती प्राप्त कएने अछि । जिल्ला आर्युवेद स्वास्थय केन्द्र मोरङ,मदन भण्डारी ट्रमा सेन्टर मंगलबारे आ मेची प्रादेशिक अस्प्तालमे एक–एक टा चिकित्सक आ साहायकके नियुक्ती रहल बताओलगेल अछि ।
संघके पदाधिकारीसब स्वास्थ्य मन्त्रालयमे सेहो होमियोपैथि शाखा राखके मांग सेहो कएने अछि ।