मैथिल सञ्चारकर्मी संघ नेपालक उपाध्यक्ष एवम पत्रकार उषा सरदारके उदीयमान पत्रकारिता पुरस्कार तथा उद्घोष दैनिकके समाचार संयोजक विक्रम निरौलाके सृजनशिल पत्रकारिता पुरस्कार अर्पण कएलगेल अछि ।

उक्त दुनू पुरस्कार पत्रकार कल्याण कोष मोरङ स्थापना कएने अछि । विराटनगरस्थित नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङके सभाहलमें चैत २७ गते आयोजित कार्यक्रमकबीच विराटनगर महानगरपालिकाके प्रमुख नागेश कोईराला आ पुरस्कार संस्थापक संस्थाके अध्यक्ष प्रहलाद प्रसाद साह संयुक्तरुपमें सरदारके ३१ हजार १ सौ ११ राशि सहितके उक्त पुरस्कार अर्पण कएलनि ।

सरदार मोरङके कार्यक्षेत्र बनाक एक दशकसँ सक्रिय पत्रकारिता करैत आएल छथि । नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङके निर्वाचित कार्यसमिति सदस्य रहल सरदार विराटनगरस्थित मकालु टेलिभिजनमें आबद्ध छथि ।

तहिना उद्घोेष दैनिकके समाचार संयोजक तथा बीबीसी नेपाली सेवाके विराटनगर संवाददाता विक्रम निरौला सृजनशिल पत्रकारीता पुरस्कारसँ पुरस्कृत भेल छथि । ५१ हजार १ सौ ११ राशिके उक्त पुरस्कार सेहो सैह कार्यक्रमकबीच निरौलाके प्रदान कएलगेल छल ।

मोरङके कार्यक्षेत्र बनाक सक्रिय पत्रकारिता करैत आएल निरौला नेपाल पत्रकार महासंघ मोरङके पुर्व अध्यक्ष सेहो रहिचुकल छथि । कार्यक्रममें नेपाल पत्रकार महासंघ कोशी प्रदेश अध्यक्ष लिलाबल्लभ घिमिरे तथा मोरङ अध्यक्ष संजिब खनाल लगायतक सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु