विराटनगर । भगवान रामके जन्म दिवस रामनवमीके पावन अवसरपर भगवान राम सँ सम्बन्धित भक्ती गित सार्वजनिक भेल अछि ।
रेम गाना क्रिएशनके बैनरमें निर्माण कएलगेल ‘आजुक दिन शुभ मंगल हे रघुनन्दन आयल’ बोलके गित रिलिज भेल अछि । रेम गाना क्रिएशनके आधिकारीक युट्यूब च्यानलपर ई गित सार्वजनिक कएलगेल अछि ।
विराटनगरमें अप्पन विराटगढ परोपकार समाजद्वारा आयोजित कार्यक्रमक बीच ई गित सार्वजनिक कएलगेल । कार्यक्रमकबीच भिडियोमें सहभागि कलाकार एवम निर्माण टिमके सम्मान सेहो कएलगेल छल । भगवान रामके जन्मके बखान करैत इ गित गितकार प्रेमनारायण झा लिखने छथि ।
अहि गितमें स्वर विरेन्द्र झा केँ आ संगित हारुन रशिदके रहल अछि । भिडियोके निर्देशन राजु राजदेव चौधरी कएने छथि तहिना नृत्य कोरियोग्राफी संजय साहके छनि । अनिल कुमार साह गितके छायांकन कएने छथि ।
गितके भिडियोमें प्रमुख कलाकारके रुपमें मुन्ना झा आ अनु तामाङ अभिनय कएने छथि तहिना अहि गितमें विराटनगरके आधा दर्जन सँ बेसी मैथिली अभियानी सब सेहो अभिनय कएने छथि ।
गितके भिडियोमें अभियानी प्रवीण नारायण चौधरी,कमलेश कर्ण,नवीन कर्ण,गायक विरेन्द्र झा,लेखक प्रेम नारायण झा,अभियानी बसुन्धरा झा,राजेश झा लगायतक चर्चित ब्यक्तीत्वसब अभिनय कएने छथि ।