विराटनगर । मैथिली अनलाइनके प्रस्तुति रहल ‘कोन जनमके बदला’ बोलके मैथिली गित रिलिज भेल अछि ।
मैथिली अनलाइनके युट्यूब च्यानल पर शनिदिन इ गित रिलिज भेल अछि । मैथिली सञ्चारकर्मी संघ नेपालद्वारा आयोजित कार्यक्रमकबीच प्रतिनिधि सभा सदस्य योगेन्द्र प्रसाद मण्डल युट्यूबके बटन क्लिक कक गित सार्वजनिक केलथि ।
नवीन कर्णके शब्द रचना रहल गितमे भागवत मण्डल स्वर देनेछथि तथा संगित सुरेश टाईगरके रहल अछि । राजविराजके मिशन स्टुडियोमें बितल फागुन महिनामें अहि गितके रेकर्डिङ कएलगेल छल । अहि गितके विराटनगरके पहिचानसंग जुडल ऐतिहासिक स्थलसबमें छायांकन कएलगेल अछि ।
विराटनगरके मण्ठा पोखरी आ विराट राजाके ऐतिहासिक दरबार रहल भेडियारीमें अहि गितके छायांकन कएलगेल अछि । राजु राजदेव चौधरी भिडियोके निर्देशन तथा संजय साह कोरियोग्राफी कएने छथि । गितके छायांकन धिरेन्द्र साह आ कलाकारके श्रृंगार नेहा साह कएने छथि ।
गितमें भिडियोमें विराटनगरके युवा प्रदीप कर्ण,पायल साह आ कमलेश कर्ण अभिनय कएने छथि । प्रदीप आ पायल पहिलबेर अहि गितसँ मैथिली सिने जगतमें प्रवेश कएने छथि । दोसर कलाकार कमलेश कर्ण स्वयं गायक सेहो छथि तथा आन म्यूजिक भिडियो सबमें सेहो अभिनय कचुकल छथि ।
इ गित देखलेल अहिसँ निच्चा रहल लिंकपर क्लिक करु ।