विराटनगर । ४ चैत २०७९ । मैथिल सञ्चारकर्मी संघ नेपाल विभिन्न विधाके ५ गोटे विशिष्ठ ब्यक्तीत्वके पुरस्कृत करवाक निर्णय कएने अछि ।

संघ कार्यसमितिके बैठक मैथिली भाषा,संस्कृति सहित सामाजिक क्षेत्रमें योगदान दैत आएल ५ गोटेके पुरस्कृत करवाक निर्णय कएने अछि । पाँचो पुरस्कार ५,१५१ सँ लक २१,१११ राशि धरिक रहल अछि ।

संघद्वारा पुरस्कृत करवाक निर्णय कएलगेल ब्यक्तीत्वसबमें नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानके प्राज्ञ बरिष्ठ संचारकर्मी,साहित्यकार धिरेन्द्र प्रेमर्षि,सुप्रसिद्ध गायक रामा मण्डल,चर्चित पत्रकार ब्रह्मदेव यादव तथा लेखिका एवम साहित्यकार कुमारी श्रेया रहल छथि । तहिना मधेश आन्दोलनके क्रममें शहादत प्राप्त शहिद दिनदयाल मण्डलके मरणोपरान्त पुरस्कृत करवाक निर्णय भेल अछि ।

प्राज्ञ प्रेमर्षि २१,१११ रुपैया राशिके ईन्द्र मिथिला गौरव सम्मानसँ पुरस्कृत होमए लागल छथि । इ पुरस्कार संघक सल्लाहकार पंकज बर्मा अपन शिक्षासेवी पिता स्वर्गिय ईन्द्रनारायण लाल दासके स्मृतिमें स्थापना कएने छथि ।
सुप्रसिद्ध गायक रामा मण्डलके ११,१११ रुपैया राशिके उज्वल नक्षत्र पुरस्कारसँ पुरस्कृत कएलजाएत । इ पुरस्कार नेपाल–भारत सामाजिक सांस्कृतिक मंच स्थापना कएने अछि ।

तहिना मधेश आन्दोलनमें शहादत प्राप्त केनिहार जहदा गाउँपालिका वडानम्बर ६ के दिनदयाल मण्डलके मरणोपरान्त ७,१५१ राशिके रघुनाथ प्रसाद गुप्ता स्वतन्त्रता सेनानी स्मृति पुरस्कार प्रदान कएलजाएत । इ पुरस्कार युवा नेता राजेशकुमार गुप्ता अपन स्वतन्त्रता सेनानी पिता स्वर्गिय रघुनाथ प्रसाद गुप्ताके स्मृतिमें स्थापना कएने छथि ।

५,१५१ राशिके रामपरी देवी पत्रकारिता पुरस्कार चर्चित पत्रकार ब्रह्मदेव यादवके प्रदान कएलजाएत । इ पुरस्कार संघक महासचिव वीरेन्द्र कुमार साह अपन दादी स्वर्गिय रामपरी देवी साहके स्मृतिमें स्थापना कएने छथि ।

५,१५१ राशिके कौशिल्या–मुसहरु स्मृति पुरस्कार लेखिका एवम साहित्यकार कुमारी श्रेयाके प्रदान कएलजाएत । इ पुरस्कार संघक सदस्य सोनुकुमार दासके पिता ईन्द्रनारायण दास अपन माय–बाबुके नामपर स्थापना कएने छथि ।

चैत ११ गते संघद्वारा विराटनगरमें आयोजन कएलजाएबला पुरस्कार वितरण समारोहक बीच घोषित पुरस्कारसब वितरण कएलजाएत संघक अध्यक्ष नवीन कर्ण जानकारी देनेछथि ।

कार्यक्रममें राष्ट्रिय समाचार समितिके अध्यक्ष धर्मेन्द्र झा सहित समाजक विभिन्न बर्ग समुदायक ब्यक्तीत्व सबहक सहभागिता रहत बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु