विराटनगर । युवा नेता राजेश कुमार गुप्ता जिपी फाउण्डेशनके कोशी प्रदेश संयोजक नियुक्त भेल छथि ।

फाउण्डेशनके अध्यक्ष सुजाता कोईराला फागुन १८ गते गुप्ताके मनोनित भेल पत्र हस्तान्तरण कएलनि । विराटनगर १५ निवासी गुप्ता नेपाली काँग्रेस कोशी प्रदेशके कोषाध्यक्ष सेहो छथि ।

पुर्व प्रधानमन्त्री स्वर्गिय गिरीजा प्रसाद कोईरालाके नामपर खोललगेल जिपी फाउण्डेशन सामाजिक क्षेत्रमें विविध कार्यक्रमसब आयोजन करैत आएल अछि ।

युवा नेता गुप्ता राजनीतिके साथे समाज सेवाके क्षेत्रमें सेहो सक्रिय रहैत आएल छथि । तहिना फाउण्डेशनके मोरङ संयोजकमें वेदमणि घिमिरे मनोनित भेल छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु