–प्रवीण कर्ण
मोरङके जहदा गाँउपालिका १ स्थित बुद्धेश्वरी माध्यमिक विद्यालय अपन आयब्ययके सामाजिक परीक्षण करौनेअछि ।
स्कुल परिसरमे शुक्रदिन कार्यक्रमके आयोजन कक स्कुल परिवार अपन आयब्यय सार्वजनिक करैत सामाजिक परीक्षण करएने अछि । कार्यक्रमें स्कुलके प्रधानाध्यापक अरबिन्द कुमार यादव आर्थिक बर्ष २०७६÷७७ के आयब्यय प्रस्तुत कएने छलथि । प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत ओ उक्त अवधिमें नेपाल सरकार मार्फत अनुदान वापत २० लाख ६३ हजार १ सय ३३ रुपैया आम्दनी तथा २० लाख ३१ हजार १ सय ६९ रुपैया खर्च भेल जानकारी करौने छलथि । विद्यालयके लेल पाठ्यपुस्तक खरीद,बुक कर्नर निर्माण आ बालबिकास कक्षा मर्मत लागयतक शिर्षकमें अनुदानके रकम खर्च कएलगेल प्रतिवेदन मार्फत सार्वजनिक कएने छलथि । ओहि बिषयमें जानकारी करवैत विद्यालय ब्यवस्थापन समितिके अध्यक्ष एवंम जहदा गाउँपालिके १ के वडाध्यक्ष प्रदीपचन्द यादव विद्यालयके स्थापनाबाद पहिलबेर प्रअ अरबिन्द यादवके कार्यकालमें सामाजिक परीक्षण कराएलगेल जानकारी देने छलथि । ओ विद्यालयके अभिभावक,विद्यार्थी आ गामके अगुवासबसँ पारित भेल आयब्ययके विवरणके लेखा परीक्षण सेहो कराएलजाएत बतौने छलथि । कार्यक्रमके सहभागि आयब्ययके विवरण सन्तोषजनक आ तथ्यपरक रहल बतौने छल ।