विराटनगर । तेली कल्याण समाज नेपाल, मोरङ जिल्ला कार्यसमिति समाजक एक सौ सँ बेसी ब्यक्तीके सम्मान कएने अछि ।
विराटनगरस्थित एकटा निजी होटलमें कार्यक्रमके आयोजन करैत समाज समुदाय भितरके मेधावी विद्यार्थी,चिकित्सक,ईन्जीनियर,प्राबिधिक सहित विभिन्न विधा तथा क्षेत्रमें सफलता हासिल केनिहारसबके सम्मान कएने अछि ।
समाजद्वारा एसईई परीक्षा २०७८ में उत्कृष्ट अंक आनिक उतीर्ण भेनिहार रतुवामाई नगरपालिका ४ के अस्मिता साह,सुनबर्षी ६ के प्रियंका कुमारी साह,सुनबर्षी ४ के धिरज कुमार साह,विराटनगर १२ के बिराट साह आ सैह ठामक अपेक्षा साह,विराटनगर ४ के लिना सेठ तथा सुन्दर हरैंचा १३ के अरुण साह सहित ७ गोटे विद्यार्थीके नगद सहित पुरस्कृत कएने अछि ।
विद्यार्थीसबके मोरङके प्रमुख जिल्ला अधिकारी तिर्थराज भट्टराई आ आयोजक संस्थाके अध्यक्ष डाक्टर बालकृष्ण साह नगद,कदरपत्र तथा दोसल्ला सहित सम्मान कएलनि । अनलाईन फार्मके माध्यमसँ संस्थाके सम्पर्कमें आएल समुदाय भितरके उत्कृष्ठ छात्रछात्राके सम्मान कएलगेल अध्यक्ष साह जानकारी देनेछथि ।
तहिना कार्यक्रमकबीच समाजके विभिन्न वर्गके अग्रणी २४ गोटेके स्मृति चिन्ह आ ७० गोटेके कदरपत्र तथा दोसल्ला सहित सम्मान कएलगेल ओ बतौलनि ।
कार्यक्रममें आयोजक संस्थाके केन्द्रीय अध्यक्ष विश्वनाथ साह सहितके अतिथिगण समुदायके हक अधिकार तथा प्रतिष्ठाके उत्थानहेतु सामाजिक अभियन्तासबके क्रियाशिल होबए हेतु आग्रह कएने छलथि ।