विराटनगर । विराट राजवंशी समुदायके यूवायुवतीके समेटक विराटनगरमें मिस्टर एण्ड मिस विराट राजवंशी–२०७९ प्रतियोगिता होमए जारहल अछि ।

विराट राजवंशी प्रगतिशील विकास समाज समितिके आयोजनामें प्रतियोगिता होमएलागल अछि । आयोजक समिति रबिदिन पत्रकार सम्मेलनके आयोजना करैत ओहि बिषयमें जानकारी करौने अछि । पत्रकार सम्मेलनमें बजैत आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किरण राजवंशी समुदायके यूवा युवतीके ब्यक्तीत्व विकास आ शिक्षा क्षेत्रमें प्रोत्साहन करवाक उद्धेश्य सहित नेपालमें पहिलबेर प्रतियोगिता आयोजना कएलजारहल ओ बतौलनि ।

प्रतियोगिता हेतु प्रतिस्पर्धिके फार्म भराबएके कार्य शुरु भचुकल जानकारी दैत ओ चैत ३० गते विराटनगरमें फाईनल प्रतिस्पर्धा आयोजन कएलजाएत जानकारी देलनि । प्रतियोगितामें १६ बर्ष सँ बेसी उमर समुहके युवायुवतीके सहभागि कराओलजाएत । सहभागिताके लेल एखनिधरि १ सौ सँ बेसी युवायुवती फार्म भरिचुकल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।

प्रतियोगिता अन्र्तगत आबबला फागुन ९ गते पहिल चरणके अडिसन विराटनगरमें होएत । उक्त अडिसनसँ फाईनल प्रतिस्पर्धाकेलेल चयन भेल ३५⁄३५ गोटे यूवायुवती कक ७० गोटे प्रतिस्पर्धिके १ महिनाके प्रशिक्षण देलजाएत । प्रतिस्पर्धिके ब्यक्तीत्व विकाश आ वक्तृत्वकला लगायतक जीवन उपयोगि विधामें विज्ञद्वारा प्रशिक्षण दिआबके आयोजकके तैयारी अछि ।

प्रतियोगिताके उपाधि बिजेता मिस्टर एण्ड मिसलाई चान्दीके क्राउन सहित ३१ हजार नगद राशिके साथे संस्थाद्वारा निर्माण कएलजाएबला म्यूजिक भिडियो खेलएके अवसर प्रदान कएलजाएत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । तहिना दोसर स्थानमें रहल प्रतिस्पर्धिके २१ हजार आ तेसरके ११ हजार नगद पुरस्कार राशी सहित म्युजिक भिडियो खेलएके अवसर सेहो प्रदान कएलजाएत ।

एकर साथे विभिन्न विधाके बिजेताके आर्कषक गिफ्ट ह्याम्पर उपलब्ध कराओलजाएत बताओलगेल अछि । विराट राजवंशी प्रगतिशील विकास समाज समिति समुदायके कलासंस्कृति संरक्षण करवाक उद्धेश्य सहित विगत दू बर्षसँ विराट राजवंशी महोत्सव मेलाके आयोजन सेहो करैत आएल अछि ।

कार्यक्रममें मैथिल संचारकर्मी संघके अध्यक्ष नवीन कर्ण कार्यक्रम सफलताके शुभकामना ब्यक्त कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु