मोरङमें १२ म चरणके हात्तीपाइले (फलेरिया) रोग विरुद्धके दबाई खुवाबएके कार्यक्रम फागुनके दोेसर सप्ताहसँ शुरु होबएजारहल अछि ।

जनस्वास्थ्य कार्यालय मोरङद्वारा मंगलदिन आयोजन कएलगेल सञ्चारकर्मी संगक अन्तरक्रिया कार्यक्रममें बजैत कार्यालय प्रमुख डाक्टर सुरेश मेहता फागुन ११ गतेसँ दबाई खुवाबएके कार्यक्रम शुरु होएत जानकारी देने छलथि । मोरङमें शुरु होबलागल हात्तिपाइले विरुद्धके ई अभियान १२ म चरणके रहल तथा अभियान अन्र्तगत ८० प्रतिशत लोकके दबाई खुवाबएके लक्ष्य रहल ओ बतौने छलथि ।

फलेरियाके दबाई सेवनके बिषयमें सर्वसाधारणमें भ्रमसब रहलासँ अहिसँ पहिलुका अभियान अन्र्तगत बहुसंख्यक ब्यक्ती दबाई सेवन नै कएलक ओ बतौने छलथि । ताहिसँ १२ म बेर अभियान संचालन कएलजारहल ओ बतौलनि । मोरङमें ११ लाख २८ हजार ९ सौ ५७ गोटे हात्तीपाइले बिरुद्धके दबाई सेवनके योग्य ब्यक्तीसब रहल ताहिमध्य ८० प्रतिशत अर्थात ८ लाख सर्वसाधारणके दबाई खुवाबएके तैयारी कएलगेल ओ जानकारी देने छलथि ।

हात्तीपाईले रोगके निर्मुल करएलेल दबाई सेवन केनाई आवश्यक रहल बतबैत ओ कोनो शंका बिना दबाई सेवन करएलेल अपिल कएने छलथि । हात्तीपाईलेके परजीवि शरिरमें रहल ब्यक्तीमें दबाई खएलापर सामान्य असर देखबैत अछि बतबैत ओ ताहिस भ्रममें नैपरि निशंकोच दबाई सेवन हेतु आग्रह कएने छलथि ।

दबाई खएलापर मोन घुमनाई शरिरमें रोगके परजीवि रहल बातक पुष्टि करैत अछि आ अहिबातके सामान्यरुपमें लेबहेतु ओ आग्रह कएने छलथि । मोरङमें नियमित पाँच वर्षधरि हात्तीपाइले विरुद्धके औषध सेवन केनिहार १६.७८ प्रतिशत मात्र रहल जनस्वास्थ्य कार्यालयके अभिलेखमा देखाईत अछि ।

शहरी क्षेत्रमें बसोवास केनिहार शिक्षित ब्यक्तीसब सेहो दबाई सेवन नै करवाक प्रबृति रहल जाहिसँ अहि रोगके निर्मुल करएमें समस्या भरहल हुनक कहब छल ।

सम्बन्धित खबरहरु