विराटनगरके वडानम्बर २ शंकरपुरमें बृहस्पतिदिनस अन्तर्राष्ट्रियस्तरके कृषि तथा औद्योगिक प्रर्दशनी, सिएनआई कोशी एक्सपो २०२३ शुरु भेल अछि ।

एक्सपो स्थलमें आयोजित कार्यक्रमकबीच नेकपा एमालेके अध्यक्ष तथा पूर्वप्रधानमन्त्री केपी शर्मा ओली एक्स्पोके उदघाटन कएलनि । नेपाल उद्योग परिसंघ प्रदेश एकके आयोजनामें एक्सपो शुरु भेल अछि । एक्सपोमें विद्यार्थीसबके लक्षित कक सौर्यमण्डलके अवलोकन हेतु प्लानेटेरियमके साथे विज्ञानसंग सम्बन्धित विबिध स्टलसब राखलगेल अछि ।

तहिना फनपार्क,सेल्फी पुल सहित मनोरंजन,ब्यापारिक,कृषि आ ज्ञानबर्धक सहित लगभग ४ सौ स्टलसब राखलगेल अछि । एक्सपोमें भारत,चीन,बंगलादेश आ पाकिस्तान लगायतक देशके ब्यापारिक स्टलसब सेहो रहल अछि । एक्सपोमें नेपाली उद्योगमें उत्पादित बस्तुसबके प्राथमिकता देलगेल अछि ।

अग्रभागके स्टलसबमें नेपाली उत्पादनके स्टल राखलगेल अछि । एक्सपोमें भारतमें उत्पादित इलेक्ट्रोनिक तथा मशिनरी, बंगलादेशके रेडिमेड लत्ताकपडा आ पाकिस्तानके लेदरके सामग्रीसब बिक्री तथा प्रर्दशन हेतु राखलगेल अछि । एक्स्पो घुम अएनिहार सर्वसाधारणके मनोरञ्जन प्रदान करएहेतु नदी उपर बनाएलगेल फुलबारीमें फोटो खिचाबएके सिनेरी तयार कएलगेल अछि ।

एक्सपोमें नित्यदिन सन्ध्याकालिन आधुनिक तथा सांस्कृतिक गीत संगितकले चर्चित गायक तथा कलाकारसबके आमन्त्रित कएलगेल अछि । एक्स्पो भव्यरुपमें सम्पन्न करएलेल बोर्डमेम्बर राजेन्द्र राठी के संयोजक आ गिरीजा सारडाके सह–संयोजकके जिम्मेवारी देलगेल अछि ।

बैंक ब्याजके कारण निराशाजनक अवस्थामें रहल उद्योग,ब्यापार क्षेत्रके उर्जावान बनाबएलेल एक्सपो आयोजन कएलगेल आयोजक परिसंघके अध्यक्ष भीम घिमिरे जानकारी देनेछथि । एक्सपो प्रवेशक लेल विद्यार्थीके ५० रुपैया आ बयस्कके सौ आ दू सौ के टिकट निर्धारण कएलगेल अछि ।

प्रत्येक दिन १० बजेस १२ बजेधरि संस्थागतरुपमें आबबला विद्यार्थीकेलेल निुशल्क प्रवेशके ब्यवस्था सेहो कएलगेल आयोजक जानकारी देने अछि । एक्सपो आयोजनामें ३ करोड खर्च आ संकलन सेहो ओतबे होएत आयोजक समिति अनुमान कएने अछि ।

तहिना ५ लाख लोक अवलोकन करत तथा ५० करोडके कारोबार होबएके अपेक्षा कएलगेल अछि । एक्सपो उदघाटनसँ पहिने विराटनगरमें भब्य सांस्कृतिक रैली सेहो निकाललगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु