विराटनगर । तामाङ समुदायके साँस्कृतिक लोसार पर्व शुरु भेल अछि ।
प्रत्येक बर्ष माघ शुल्क प्रतिपदाके दिन नया बर्षके स्वागतके रुपमें सोनाम ल्होसार मनाओल जाईत अछि । मञ्जुश्री पतरा अनुसार माघ ८ गते विभिन्न कार्यक्रम कक नया बर्ष २८५९ म सोनाम लोसार मनाओलगेल अछि । अहि पर्वक अवसरमें तामाङ समुदाय एक दोसरके शुभकामना आदानप्रदान तथा खुसियाली आदान प्रदान करैत अछि ।
अहि उपलक्ष्यमें नेपाल तामाङ घेदुंग नगर कमिटि विराटनगर ७ हरियाली पार्कमें विशेष कार्यक्रमके आयोजन कएलक । ओहि अवसरमें हरियाली पार्कमें लामा गुरुस भुमि पुजन,मंगल पाठ आ वाङ अर्थात प्रसाद वितरण लगायतक कार्यक्रम कएलगेल ।

पर्वके अवसरमें पारम्परिक पकबान खाएके साथे साथीभाइ भेटघाट आ मनोरंजनात्मक सांस्कृतिक कार्यक्रमके आयोजन करवाक चलन अछि । तामाङ जाति सोनाम ल्होसारमें कुलपूजा आ प्रकृतिके सेहो पूजा करैत अछि ।
अहिदिन गुम्वामें जमा भक बिशेष प्रार्थनाके सेहो आयोजन कएलजाईत अछि ।





