विराटनगरमें आयोजन भेल नेवा महोत्सवमें मैथिली पकवान अत्यधिक पसन्द कएलगेल अछि ।
दू दिनक महोत्सवमें मैथिली पकवानके स्टलमें महोत्सवमें सहभागि बहुसंख्यक सहभागि अवलोकन कएने छल । महोत्सवके पहिल दिन माघ ६ गते स्टलमें राखलगेल सम्पुर्ण पकवान साँझ ६ बजे स पहिनहि विक्री भेल छल तथा दोसर दिन माघ ७ गते ९ बजे धरि महोत्सवको समय रहलोपर ८ बजे स पहिनहि सम्पुर्ण पकवान बिकाएल छल ।
महोत्सवमें मैथिली स्टलमें अपेक्षास बेसी भीड भेलास राखलगेल पकवानसब निर्धारित समय स पहिनहि बिकाएल मैथिली अनलाइनके अध्यक्ष नवीन कर्ण जानकारी देनेछथि । मैथिली अनलाइनके प्रायोजनमें राखलगेल स्टलमें मैथिल समुदायके विवाह तथा पूजा पाठमें पकवानके रुपमें परसल जाएबला ठकुवा,पेरुकिया आ खजुरी राखलगेल छल तथा खाना एवम जलखईमें प्रयोग कएलजाएबला कह्रीबडी तथा कचरी सेहो राखलगेल छल ।

ठकुवा,पेरुकिया आ खजुरी मैथिल समुदायके छैठमें प्रसादके रुपमें सेहो चढाओल जाईत अछि तथा बेटी बिदागरी में सेहो सनेशके रुपमें पठाओल जाईत अछि । मेलामें सहभागि अधिकांश लोक मैथिल पकवानके स्वाद लेलक तथा बहुतो लोक होम प्याक कक सेहो ठकुवा,पेरुकिया आ खजुरी लक गेल छल ।
महोत्सव आयोजक नेपाल भाषा तथा सांस्कृतिक संघ झी पुचके अध्यक्ष हरि बहादुर श्रेष्ठ सहित सल्लाहकार हरि मोहन श्रेष्ठ लगायतक ब्यक्तीत्व सब स्टलमें पहुँचक पकवानक स्वाद लेलनि तथा होम पैक कराक घर सेहो लगेल छलथि ।
दू दु दिनक महोत्सवके क्रममें मैथिली संस्कृतिसंग जूडल झिझिया नृत्य सहित आन भाषाभाषिके सांस्कृतिक नृत्य आ गीत सेहो प्रस्तुत कएलगेल छल ।





