विराटनगर । मैथिली अनलाइन क प्रबन्ध निर्देशक एवम तरुण दलके मोरङ जिल्ला प्रमुख पंकज बर्माके पितृ शोक परल छन्हि ।

बर्माके पिता ईन्द्रनारायण लाल दासके उपचारके क्रममें बितलराति विराट अस्पतालमें निधन भेल अछि । पेटके क्यान्सरसँ पीडित ८१ बर्षिय दासके मंगलके राति १२.१५ बजे निधन भेल पारिवारिक श्रोत जानकारी देने अछि ।

विक्रम सम्बत १९९८ सालमें जन्म लेनिहार स्वर्गिय दास ४ दशक स बेसी समय शिक्षण पेशामें समर्पित रहलथि । सुनसरीस्थित साबिकके चौरघटिया आ हालके हरीनगर गाउँपालिकामें रहल जनता माध्यमिक विद्यालयमें ३८ बर्ष आ विराटनगरके विराट निम्न माविमें ४ बर्ष समेत ४२ बर्ष धरि ओ शिक्षण पेशामें आबद्ध रहलथि ।

जनता माविके ओ संस्थापक शिक्षक सेहो रहल छथि । शिक्षण पेशा स अवकाश भेला एम्हर ओ समाज सेवाके विभिन्न गतिविधि सभमें सक्रिय रहैत आएल छलथि । स्वर्गिय दासके ८ टा बेटा आ ७ पुतहु छथि । तहिना १० नाती ७ नातिन आ ३ गोटे पनातिनि सेहो छथि ।

स्वर्गिय दासके आइ (मंगल दिन) १० बजे उपरान्त स्थानिय परोपकार घाटमें दाहसंस्कार कएलजाएत पारिवारिक श्रोत जानकारी देने अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु