विराटनगर । मोरङके तीनगोटे सक्रिय पत्रकार सबहक भुमिका रहल मैथिली म्यूजिक भिडियो ‘दिल तोड्नी छे तुँ’ आइ मध्य रातिमें रिलीज होमए जारहल अछि ।

अंग्रेजी नव वर्षके सन्दर्भ पर २०२३ जनवरी १ के पहिे मिनट (रातिके १२ बाजिक १ मिनेट) में अहि गीत रिलीजके तैयारी कएलगेल अछि । मैथिली अनलाइनके यूट्युब च्यानलमें ओहि समय पश्चात इ गीत देखल जासकत । मैथिली अनलाइनके ब्यानरमें निर्माण कएलगेल अहि गीतक लेखन तथा भिडियो निर्देशन पत्रकार नवीन कर्ण कएने छथि ।

तहिना नायकद्वय में पत्रकार विरेन्द्र साह आ सोनु कुमार दास रहल छथि । पत्रकार विरेन्द्र अहिसँ पहिने नेपाली तथा मैथिलीक दर्जनों गीतसबमें भुमिका निर्वाह कचुकल छथि तथा पत्रकार दास पहिल बेर अहि गीतसँ मैथिली गीत संगितके क्षेत्रमें पर्दापण करहल छथि ।

अहि गीतसँ पत्रकार कर्ण सेहो पहिल बेर निर्देशनके क्षेत्रमें प्रवेश करहल छथि । त्रिकोणात्मक प्रेम कथामें आधारित अहि गीतमें चर्चित कलाकार काजल कर्ण नायिकाके भुमिका निर्वाह कएने छथि । शुक्रदिन अहि गीति भिडियोके छायांकनके काज पुरा भक एखिन सम्पादनके काज भरहल बताओलगेल अछि ।

गीतके सिनेमाटोग्राफर तथा कोरियोग्राफरमें कात्तिक राजवंशी,क्यामरामें धिरेन साह,मेकअपमें कृष्ण सुवेदी रहल छथि तथा दृष्य सम्पादन पवन सहनी करहल छथि । सुरेश कुमारके संगित रहल अहि गीतमें मिथिला पुत्र भागवत मण्डल स्वर देने छथि । मैथिली अनलाइनके ब्यानरमें आओर किछु गीत सबहक निर्माण जारी रहल आ उक्त गीतसब सेहो किछु दिन भितरे सार्वजनिक करएके तैयारी रहल अछि ।

मैथिली भाषाके बिशिष्ठताके कायम रखैत स्वच्छ मनोरंजन प्रदान करएके उद्धेश्यसँ गीत सबहक निर्माण कार्यके निरन्तरता देलजारहल पत्रकार कर्ण जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु