चैत्र ५, प्रदेश १ के राजधानी विराटनगरमे आईसँ जुत्ताचप्पल ब्यापार मेला शुरु भेल अछि । 
   विराटनगर–७ स्थित साबिकके जलजला सिनेमा हल आगुके खाली जमिनमे बृहस्पतिदिनसँ एक महिनाक जुत्ताचप्पल ब्यापार मेला शुरु भेल अछि । फुटवेयर एशोसिएसन अफ नेपालद्वारा आयोजना कएलगेल मेलाके विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर भीम पराजुली उद्घाटन कएने छथि । 
मेलामे बिएफ डियर हिल,शिखर सुज,कोशेली सुज,क्रसरोड सुज,रेम्बो सुज,रोयल सुज,फास्ट वाक सुज,रन सुज,स्मार्ट सुज,म्याजिक सुज आ हाईलाफ सुज अपनअपन स्टल रखने अछि । उक्त बारहटा उद्योगसब  मेलामे ५ हजारस बेसी मोडलके जुत्ताचप्पलसबके प्रर्दशन तथा विक्रीमे रखने अछि । बीसटासँ बेसी स्टल राखलगेल मेलामे न्युनतम एक सौ सँ लक दस हजार रुपैयातकके जुत्ताचप्पल प्रर्दशन तथा विक्रीमे राखलगेल आयोजक फुटवेयर एशोसिएसन अफ नेपालके सदस्य रुद्र न्यौपाने बतौने छथि । 
एक महिनाके मेला अवधिमे १० करोड सँ बेसीके ब्यापार करके लक्ष्य राखलगेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि । तहिना मेलामे ६ लाख जोर जुत्ताचप्पल बेचके लक्ष्य राखलगेल अछि । मेलामे प्रर्दशित कएलगेल विभिन्न कम्पनीके जुत्ता चप्पलसबमे १० प्रतिसत सँ लक ५० प्रतिशततक छुट देबके ब्यवस्था कएलगेल अछि । अहिबर्षके मेला घुम अएलापर उपभोक्तासबके बिगतसँ फरक अनुभुती होएत विराट फुटवेयर एक्सपो २०७७ के संयोजक होमनाथ उपाध्यायके कहब अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु