विराटनगर । जनमत पार्टीके अध्यक्ष डा.सीके राउतद्वारा प्रतिनिधि सभा सदस्यके रुपमें ‘मधेशी भाषा’ कहिक सपथ लेलापर सप्तरीमे बिरोध प्रर्दशन भेल अछि ।
मधेशी भाषा उल्लेख कक सपथ लेलापर मिथिला नाट्य कला प्रतिष्ठान (मिलाफ) आ मैथिली साहित्य परिषद सप्तरीके राजबिराजमें बिरोध प्रर्दशन कएने अछि । प्रर्दशनके क्रममें राउतके सपथ ग्रहण बदरके माग करैत राउतके पुत्ला सेहो दहन कएलगेल अछि । पुस ७ गते राउत आ जनमत पार्टीसँ निर्वाचित आन जनप्रतिनिधि मधेशी भाषा उल्लेख कक सपथ ग्रहण कएने छलथि ।
मिलाफक पूर्व अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र मधेसी भाषा कतहु उल्लेख नैरहल अवस्थामें जनताके सर्वोच्च निकाय संसद सचिवालयद्वारा मधेसी भाषा कहिक राउत आ हुनकर पार्टीके अन्य सांसदलाई शपथ ग्रहण करएनाई संविधान विपरीत रहल ओ बतौने छथि । राउतके अहि प्रकारक व्यवहारसँ समग्र मैथिली भाषीके भावनामें ठेस पहुँचल हुनक कहब अछि ।
मैथिली भाषी क्षेत्रसँ निर्वाचित भक नेपालक कोनो अधिकारिक दास्तवेजमें उल्लेख नैरहल मधेसी भाषाके नाम दक राउतद्वारा शपथ लेनाई असंवैधानिक रहल मिलाफ क सचिव विद्यानन्द वेदर्दी बतौने छथि । मधेसी भाषा कहिक शुरुएमें संसद सचिवालयमें दर्ता कराएलगेल निवेदन सेहो संविधानविरीत रहल हुनक दाबी अछि ।
अहिबिच बिरोध प्रर्दशन तथा पु्त्ला दहनके समाचार संकलनमें खटल संचारकर्मी तथा विरोध प्रर्दशन केनिहार उपर जनमत पार्टीके कार्यकर्तासब आक्रमण कएने अछि । प्रेस चौतारी सप्तरी शाखाके कार्य समिति सदस्य एवम पब्लिक प्रेस दैनिक पत्रिकाके संचालक,पत्रकार नविन यादव उपर भौतिक आक्रमण भेल बताओलगेल अछि ।
समाचार संकलनके क्रममें राजविराजस्थित दशन चौकपर जनमत पार्टीके कार्यकर्ता पत्रकार यादवके गर्दनपर मुक्कासँ प्रहार कएलक तथा क्यामरा तोडफोडके सेहो प्रयास कएलक पीडित पत्रकार यादव जानकारी देने छथि । पुत्ला दहनके क्रममें जनमतके कार्यकर्ताद्वारा सचिव वेदर्दी उपर भरहल आक्रमणके भिडियो खिचरहल समयमें दिलिप मण्डल नामक जनमतके कार्यकर्ता अपनापर आक्रमण कएलक ओ जानकारी देने छथि ।
आक्रमणके कारण अपन दाहिना हाथमें चोट लागल पत्रकार यादव जानकारी देने छथि । अपना संग भेल घटनाके बिषयमें नेपाल पत्रकार महासंघ सप्तरी आ प्रहरीके जानकारी कराचुकल पत्रकार यादव जानकारी देने छथि । घटनाके छानबीन कक दोषीके कडा कारवाही करएलेल मिलाफ माग कएने अछि ।