विराटनगर १ पुस । द लेप्रोसी मिशन नेपालके फाउण्ड परियोजना धरान सुनसरीके अपाङ्ता रहल एकगोटे चित्रकारके ब्यवसाय प्रर्बधन हेतु सहयोग रकम उपलब्ध करौने अछि ।

फाउण्ड, धरान ११ के चित्रकार प्रदीप कुमार राईके ३० हजार नगद उपलब्ध करौने अछि । ह्वील चेयर प्रयोगकर्ता चित्रकार राई बालु आ रंगके प्रयोग कक आर्कषक चित्रसब सृजना करैत आएल छथि । विराट एक्सपोमें अपन चित्रकला प्रर्दशनी कर आएल राईके परियोजना सैह ठाम सहयोग रकम उपलब्ध करौने अछि ।

द लेप्रोसी मिशन नेपालके प्रदेश कार्यालय प्रमुख विपिन दास राईके ३० हजार रुपैयाके चेक हस्तान्तरण कएलनि । राई विलक्षण प्रतिभाके स्वामी रहलासँ हुनक चित्रकलाके प्रर्बधन हेतु आवश्यक उपकरणसब खरीदक लेल परियोजनासँ सहयोग रकम उपलब्ध कराएलगेल दास बतौनेछथि ।

चित्रकार राई विराट एक्सपोमें द लेप्रोसी मिशन नेपाल आ राष्ट्रिय अपाङ महासंघके स्टल नम्बर ई १५÷१६ में अपन चित्रकला प्रर्दशनी आ बिक्री स्टल रखने छथि । मेला आयोजक समिति दूटा स्टल मध्य एकटा स्टल निशुल्क उपलब्ध करौलक बताओलगेल अछि ।

अपाङ्ता भेल ब्यक्तीसबके रोजगार, स्वरोजगार बनाबलेल पुलके काज करैत आएल लेप्रोसीके फाउण्ड परियोजा प्रदेश एकमें २०२० एम्हर १३० गोटेके बिज पुँजी उपलब्ध कराचुकल अछि ।

तहिना ७० गोटेसँ बेसी लोकके प्रत्यक्ष रोजगारसंग जोड्एमें सफल भेल परियोजनाके भरत दाहाल जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु