विराटनगर, मंसिर २९ । राष्ट्रपति विद्यादेवी भण्डारी औद्योगिक क्षेत्रके समस्या समाधान हेतु सरकार संग आग्रह कएने छथि ।
बृहस्पति दिनसँ विराटनगरमें शुरु भेल विराट एक्स्पोके उद्घाटन करैत राष्ट्रपति भण्डारी औद्योगिक क्षेत्रक समस्या समाधान हेतु सरकार संग आग्रह कएने छथि । राष्ट्रपति भण्डारी विगतमें देशके प्रमुख औद्योगिक क्षेत्र रहल विराटनगर पछिला वर्षसबमें अपन गौरव कायम करएलेल संघर्ष करहल बतौने छलथि ।
विराटनगरमें आर्थिक तथा औद्योगिक विकासक भारी सम्भावना रहल बतबैत ओ रानी–किमाथांका सडकके माध्यमस विराटनगरके भारत आ चीनसँग सोझे जोडलजा सकत ओ बतौने छलथि । औद्योगिक कच्चा पदार्थके लेल आयात पर निर्भर रहएके अवस्थाके अन्त कक स्वदेशी कच्चा पदार्थमें आधारित उद्योगसब स्थापना केनाई आवश्यक रहल ओ बतौने छलथि ।
उद्योग संगठन मोरङके अध्यक्ष सुयस प्याकुरेल देशमें लेल निर्यात वृद्धि आ आयात प्रतिस्थापन कसकएबला उद्योग आवश्यक रहल बतौने छलथि । प्याकुरेल विराटनगर–बथनाहा रेल्वे तयार भेलोपर सञ्चालनहेतुं सरकार ध्यान नै रहल ओ बतौने छलथि ।
जाहिके कारण सडक मार्गस सामान आयात करए परिरहल आ जाहिस औद्योगिक कच्चा पदार्थके ढुवानीमें ३० प्रतिशतस बेसी लागत खर्च परिरहल हुनक कहब छल । कार्यक्रममे प्रदेश १ क प्रदेश प्रमुख पर्शुराम खापुङ, मुख्यमन्त्री राजेन्द्र राई, विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर नागेश कोइराला लगायत एक्स्पोके सफलताक शुभकामना देने छलथि ।
विराटनगर–१४ स्थित डिग्री कलेजके मैदानमें उद्योग संगठन मोरङद्वारा आयोजन कएलगेल एक्स्पो पुस ६ गते धरि सञ्चालन होएत । एक्स्पोमें ३ सय ६१ टा स्टल रहल अछि ।