विराटनगर । मिथिला साहित्य–कला प्रतिष्ठान नेपालके पाँचम वार्षिकोत्सव राजविराजमें सम्पन्न भेल अछि ।

मधेश प्रदेशक उपसभामुख उपमा देवक प्रमुख आतिथ्यमे आ मिलाफ अध्यक्ष रमिला साहक अध्यक्षतामे राजविराज नगरपालिका सभागृहमे अगहन २४ गते मिलाफक वार्षिकोत्सव सम्पन्न भेल अछि । ओहि अवसरपर आयोजित मैथिली हाजिर–जवाब (क्विज) प्रतियोगितामें सहभागि ६ टा स्कूल मध्य लिट्ल फ्लावर प्रथम, ह्याप्पील्याड द्वितीय आ दुर्गा स्कूल तृतीय भेल अछि ।

कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि उपसभामुख देव प्रतियोगिताक विजयी सबके पुरस्कार वितरण कएने छलथि । ओहि अवसरपर मिलाफ संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र महाकवि विद्यापतिक योगदानक विषयपर चर्चा कएलनि । मिश्र विद्यापतिकेँ मैथिली भाषाक पहिल आन्दोलनकारी कहलनि । जइँ युगमे संस्कृत भाषाक दबदबा छलै, ओइ समयमे विद्यापति विभिन्न गीत आ कृति रचि भाषिक क्रान्ति कएल बात मिश्र बतौने छलथि ।

कार्यक्रमक तेसर सत्रमें मिडिया काउन्सिल, मधेश प्रदेशक अध्यक्ष स्व शिवहरी भट्टराईक असामयिक निधनमे श्रद्धाञ्जलि सभा आयोजन करैत पत्रकार लोकनि आ मैथिली अभियानी सभद्वारा शोक–शब्द राखल गेल छल । नेपाल पत्रकार महासंघक पूर्व अध्यक्ष एवं प्रेस स्वतन्त्रता सेनानी वैद्यनाथ झा भट्टराईक पत्रकारिता जीवन विषय, हुनक देल योगदानपर संक्षिप्त विश्लेषण कएने छलनि ।

ओहि अवसरपर मैथिली भाषा, साहित्य, कला, संस्कृतिक उन्नयनमे अभूतपूर्व आ अनुकरणीय भूमिका निर्वहनमे उल्लेख्य योगदानक उच्च कदर करैत सप्तरीक पहिल रेडियो भोरुकवा एफ.एम.(९२.८ मेगाहर्ज) केँ सुखी–फूलो मिथिला गौरव सम्मान २०७९ समर्पण कएल गेल छल ।

तहिना सबरी संकल्प समाजक स्थापना क’ १२ वर्षसँ माटि दिवस मनाबैत एनिहार जोड़ी स्व. गुरुशरण सदा आ शान्ति सदा मध्ये शान्ति सदाके ’सैंया पैंया पड़ै छी’ एलवम लगायत फूटकर गीत गाबि विगत डेढ़ दशकँ राष्ट्रीय मंचधरि मैथिली लोक–सङ्गीतक सुगन्धकेँ थप लोकप्रियता बढ़ेनेहारि गायिका शान्ति सदाकेँ दीनाभद्री मिथिला माटि सम्मान २०७९ समर्पण कएल गेल छल ।

कार्यक्रमक अन्तिम सत्रमें मैथिली साहित्यिक–साङ्गीतिक श्रृंखला ६१ आयोजन कएलगेल छल । जाहिमें राकेश झा रसिक, सत्येन्द्रनाथ चौधरी, पूनम ठाकुर आ मनोहर पोखरेल, श्रीराम मण्डल, संजय शर्माद्वारा कविता, ललिता झाद्वारा लघुकथा आ शुभाष विरपुरियाद्वारा गीत प्रस्तुत कएल गेल छल ।

कवयित्री प्रतिमा देव, मीना साह, पत्रकार नवीन निर्भय, पिन्टू यादव, बाबुल मिश्र लगायतक उपस्थिति रहल कार्यक्रममे संस्था आजीवन सदस्यक प्रमाण पत्र मिलाफ सदस्य शम्भू श्रीद्वारा हस्तांतरण कएल गेल छल ।

कार्यक्रमक समापन मिलाफ अध्यक्ष रमिला साह कएलनि त संचालन मिलाफक सचिव विद्यानन्द वेदर्दी सदस्य राज राय आ सदस्य गजेन्द्र गजुर कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु