विराटनगर । प्रधानमन्त्री कृषि आधुनिकीकरण परियोजना समन्वय एकाई मोरङ राजनीतिक नेतृत्वमें निर्वाचित अपन पूर्व तथा वर्तमान पदाधिकारीके सम्मान कएने अछि ।
अहिसँ पहिने माछ तथा धान जोनके पदाधिकारीके रुपमें योगदान दचुकल तथा पछिला समय भेल निर्वाचनमें विभिन्न तहमें निर्वाचित ३ गोटे जन प्रतिनिधीके परियोजना सम्मान कएने अछि । सम्मानित ब्यक्तीत्व सबमें प्रतिनिधि सभा सदस्य योगेन्द्र प्रसाद मण्डल,प्रदेश सभा सदस्य गणेश उप्रेती ‘सुशिल’ आ कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी छथि ।
सम्मानित तीनू गोटे बिगतमें परियोजनाके धान तथा माछ जोनमें पदाधिकारीके रुपमें कृषि उत्थानहेतु योगदान दचुकल ब्यक्ती रहल प्रधानमन्त्री कृषि आधुनिकीकरण परियोजना समन्वय एकाइ मोरङके कार्यालय प्रमुख बरिष्ठ कृषि अधिकृत मनोज कुमार यादव जानकारी देलनि ।
कार्यक्रमक बीच तीनू गोटेके बुद्धके प्रतिमा हस्तान्तरण करैत दोसल्ला आ फुलमाला सहित सम्मान कएलगेल छल । ओहि अवसरमें बजैत मोरङ क्षेत्रनम्बर ५ के नव निर्वाचित प्रतिनिधि सभा सदस्य योगेन्द्र मण्डल अपने परिर्वतन आ विकासक लेल काज करब बतौलनि । किसान मैत्री कृषि नीतिसब आनि सकलापर देशके कृषि क्षेत्रके विकास होएत हुनक कहब छल ।
मोरङ १ सँ प्रदेश सभा सदस्यमें निर्वाचित गणेश उप्रेती ‘सुशिल’ विगते सँ कृषि क्षेत्रमें योगदान दैत आएल ३ गोटे अगुवा कृषकसब राजनीतिक नेतृत्वमें निर्वाचित भेनाई सुखद संयोग रहल बतौलनि । कृषि पेशा आ कृषि क्षेत्रमें लागिक सेहो आगा बढल जासकैत अछि उदाहरणके रुपमें अहि बातके लेबाक चाहि हुनक कहब छल ।
कटहरीके अध्यक्ष देवराज चौधरी कृषि पेशामें लगलाके कारणे अपनसबहक पहचान समुदायमें स्थापित भेल आ सैह पहचान तथा दक्षताके जनता अनुमोदन कएलक ओ विचार ब्यक्त कएलनि । तहिना परियोजनाके प्रमुख मनोज कुमार यादव कृषि क्षेत्रमें अनुभवी ब्यक्तीत्वसब मोरङके स्थानीय तह सँ, प्रदेश आ संघमें निर्वाचित भेलासँ समय सापेक्ष कृषि नीति आनएमें भुमिका निर्वाह करताह बातक विश्वास ब्यक्त कएलनि ।