विराटनगर । रोटरी क्लब अफ विराटनगर डाउन टाउन विपन्न समुदायके लक्षित कक बृहत स्वास्थ्य शिवीर आयोजना कएने अछि ।

रोटरी विराटनगर ४ खार्जी कोहबरामें रहल ज्योति आधारभुत विद्यालय परिसरमें बृहत निशुल्क स्वास्थ्य शिवीर आयोजना कएने अछि । शिवीर मार्फत ५ सौ स बेसी लोक निशुल्क स्वास्थ्य सेवा लेने अछि । विराट नर्सिङ होमके प्राबिधिक सहयोगमें आयोजना कएलगेल शिवीरमें ६ गोटे बिशेषज्ञ चिकित्सक सहित २० गोटे स्वास्थ्यकर्मीके टोली स्वास्थ्य उपचार सेवा लेने अछि ।

शिवीरमें स्त्री तथा प्रसुती रोग सेवा,जनरल फिजिशियन,छाला तथा यौन रोग,बाल रोग सेवा सहित नाक,कान,घाँटी लगायतक उपचार सेवा उपलब्ध कराएलगेल छल । तहिना शिविरमें आएलसबके सुगर आ प्रेशर सेहो जाँच कएलगेल छल ।

शिवीरमें सेवा लेनिहार सब बिमारके उपचार सेवाके साथे निशुल्क औषधि सेहो उपलब्ध कराएलगेल आयोजक क्लबके सचिव नमिता टिवडेवाला जानकारी देनेछथि । शिवीर आयोजक रोटरी क्लब अफ विराटनगर डाउन टाउन अहिस पहिनहिस खार्जी कोहबरामें रहल ऋषिदेव समुदायक बस्तीके अभिभावकत्व ग्रहण कएने अछि ।

उक्त बस्तीके बासिन्दा विपन्न रहलाके साथे स्वास्थ्य आ शिक्षा लगायत सब क्षेत्रमें पछुअएलास बस्तीके अभिभावकत्व ग्रहण कक क्लब मार्फत सामुदायिक उन्नयनके विभिन्न कार्यक्रमसब आयोजन करैत आएल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष रेखा राठी बतौनेछथि ।

अहिसँ पहिने बस्तीके बासिन्दाहेतु चापाकल जडान तथा शौचालय निर्माणक साथे बस्ती भितरके विपन्न विद्यार्थीके शैक्षिक सामाग्रि आ स्कुल पोशाक सेहो उपलब्ध कराचुकल अध्यक्ष राठी जानकारी देनेछथि ।

रोटरी डाउन टाउन बितल जुलाई स खार्जीके उक्त बस्तीके अभिभावकत्व ग्रहण कक समुदाय लक्षित विभिन्न कार्यक्रम करैत आएल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु