विराटनगर । मोरङके कटहरी गाउँपालिकामें एकदिनक रोजगार मेला सम्पन्न भेल अछि ।

स्वदेशमें कामके खोजीमें रहल तथा वैदेशिक रोजगारस घुमल युवाहेतु रोजगारके अवसर सिर्जना करएके उद्धेश्य सहित कटहरी १ के कृषि फलफुल तथा थोक बजार परिसरमें मेला आयोजन कएलगेल अछि । मेलामें रोजगारक लेल करीव नौ सय गोटे विभिन्न कम्पनी सँग सम्पर्क स्थापित कएने अछि ।

कामके खोजीमें रहल व्यक्तिसबके लगत दर्र्ताके साथे रोजगारदाता सब अपन कम्पनी वा सेवा क्षेत्रमें आवश्यक परल जनशक्तिके पहिचान करएके काज कएने अछि । मेलाके उद्घाटनके अवसरमें बजैत प्रमुख अतिथि नेपाल उद्योग बाणिज्य महासंघक केन्द्रीय सदस्य डा.अविनाश बोहरा बार्षिकरुपमें करीब ५ लाख युवासब श्रम बजारमें आबिरहल बतौलनि ।

श्रम बजारमें आएल जनशक्ती मध्य आवश्यक रोजगार नैभेटलापर ७० प्रतिशत लोक वैदेशिक रोजगारीमें जारहल ओ जानकारी देलनि । पर्याप्त रोजगारीके अवसर सृजनाहेतु देशके औद्योगिककरणमें बल देनाई आवश्यक रहल हुनक कहब छल ।

कटहरी गाउँपालिकके अध्यक्ष देवराज चौधरी कटहरी गाउंपालिका पहिलबेर अपन क्षेत्रमें रोजगार मेलाके आयोजना कएलक बतबैत खुशी ब्यक्त कएने छलथि । ओ मेलाके माध्यमस कटहरी गाउंपालिकामें रहल वेरोजगार युवासबके अहि क्षेत्रमें रहल कलकारखानामें रोजगारी दिआबहेतु पहल करब बतौने छलथि ।

मोरंगके प्रमुख जिल्ला जिल्ला अधिकारी काशीराज दाहाल रोजगार मेलाके आयोजना कक बेरोजगारसबके रोजगारी दिआबके काज प्रशंसनीय रहल बतबैत मेलाके सफलताके शुभकामना देने छलथि ।

मेलाके अवसरमे रोजगारदाता कम्पनीसबके तर्फस रिलायन्स स्पिनिङ मिल जुनियर अपरेटरकेलेल दू सय पचास गोटे, अरिहन्त मल्टिफाइवर दू सयगोटे आ रघुपति जुटमिल दू गोटे श्रमिक कामदारके आवश्यकता सिर्जना कएने अछि । तहिना अन्य कम्पनीसब सेहो रोजगारके खोजीमें रहल ब्यक्तीसबहक तथ्यांक संकलन कक लगेल बताओलगेल अछि ।

मेलामें मनमोहन प्राविधिक विश्वविद्यालय, शैलजा आचार्य स्मृति पोलिटेक्निक लगायत विभिन्न तालिम प्रदायक संस्था आ जब पोर्टलसब सेहो स्टल रखने छल ।

अन्र्तराष्ट्रिय श्रम संगठनके वेलकम होम परियोजनाके सहयोगमें, नेपाल उद्योग वाणिज्य महासंघ प्रदेश १ आ कटहरी गाउं पालिकाके आयोजनामें मेला आयोजन कएलगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु