विराटनगर । फिल्म निर्देशक माधब राज खरेल एकटा नव म्यूजिक वीडियो गीत ‘ओ बेवफा’ रिलीज केने छथि ।

गीतके वीडियो आरजे म्यूजिक प्रोडक्शनके यूट्यूब चैनलपर उपलब्ध अछि । एहि म्यूजिक वीडियोमें माधब आर खरेल, साक्षी लमसल, आ सागरजी तामांगके अभिनय देख सकैत छी ।

गीतक बोल गीतकार समीर खानक अछि, जे नेपाली, भोजपुरी मैथिली, हिन्दी आदि अनेक प्रकारक भाषामें बहुत रास गीत लिखने छथि । गीतके स्वर गायक रूपक डोटेल, संगीत राजेन्द्र बजागाई आ मिक्सिंग आ मास्टरिंग मनोज परियारके अछि ।
लगभग आधा दर्जन सिनेमा आ दर्जनों म्यूजिक वीडियोके निर्देशन करयवाला निर्देशक खरेल विजुअलके माध्यम सं मिलन आ विरहके कहानीके देखाबय के कोशिश केने छथि ।

एतय वीडियोमें प्रेमके तुलना धन आ संपत्ति स कयल गेल अछि । काठमांडूके विभिन्न सुन्दर स्थानपर वीडियोके शूटिंग भेल छल, जकर छायांकन जीवन पराजुली केने छलाह । वीडियोके संपादन क्यामोदीन मियां केने छलाह आ म्यूजिक वीडियोके रंग समीर मियान केने छलाह ।

एरा प्रोडक्शनके बैनर तले निर्मित ई म्यूजिक वीडियो पत्रकार-निर्माता कमला जोशी केने छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु