विराटनगर । प्रतिनिधि सभा आ प्रदेश सभा सदस्यकेलेल रबिदिन भेल निर्वाचन समापन भेल अछि ।

निर्वाचनकेलेल भेल मतदान अन्र्तगत मोरङमें लगभग ६५ प्रतिशत मतदान भेल बताओलगेल अछि । यद्यपि तथ्यांक सहितके विवरण आबएमें किछु समय लागत जिल्लास्थित निर्वाचन कार्यालय जानकारी देने अछि ।

एखनि मत गणनास्थल धरि मतपेटी लाबएके काज भरहल बताएलगेल अछि । मोरङमें ६ प्रतिनिधिसभा आ १२ प्रदेशसभाके निर्वाचन लेल ३०६ मतदान केन्द्रमें ८३९ टा मतदान स्थल कायम कएलगेल छल ।

मोरङस १०८ गोटे प्रतिनिधिसभाके उम्मेद्वार तथा प्रदेशसभामें ११० गोटे उम्मेद्वार चुनावी मैदानमे अछि । मोरङमें कुल मतदाता ७ लाख ३५ हजार ५२५ गोटे मतदाता रहल अछि ।

मतदानके क्रममें मोरङके एकाध मतदान केन्द्र सहित देशके आन किछु स्थानमें छिटफुट घटनासब भेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु