विराटनगर । निर्वाचनके पुर्व सन्ध्यामें विराटनगर महानगरपालिकाके विभिन्न दू स्थानमें शनिदिन भोर शंकास्पद बस्तु भेटल अछि ।
बमके आशंका कएलगेल उक्त शंकास्पद वस्तुके नेपाली सेनाके टोली निष्क्रिय बनएने अछि । विराटनगर महानगरपालिकाके ३ नम्बर वडास्थित पुष्प मार्गमें भोरे आ दुपहरमें विराटनगर– ३ के खारजीमें शंकास्पद वस्तु भेटल छल ।
खारजीमें रहल प्रदेश लोकसेवा आयोगके आगु राजगमार्गके पुर्व किनारमें शंकास्पद बस्तु देखलापर स्थानिय प्रहरीके खबर कएने छल । शंकास्पद बस्तु भेटलापश्चात ओहिक्षेत्रके प्रहरी सुरक्षा घेरामें राखिक सवारीसाधनके डाईभर्ट कएलगेल छल ।
दुनु स्थानमें भेटल शंकास्पद वस्तु नेपाली सेनाके टोली निष्क्रिय बनएने छल । डिस्पोज कएलगेल वस्तु बम नैरहल प्रहरी बतएने अछि ।
जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके डीएसपी दीपक श्रेष्ठ पुष्प मार्गमें रङके खाली डिब्बामें कपडा राखिक तार आ टेपस बेरल अवस्थामें भेटल बतौलनि । तहिना खारजीमें इनामेलके डिब्बामें खतरा लिखक राखल अवस्थामें भेटल ओ बतौनेछथि ।
ओहिठाम शंकास्पद बस्तु राखल जगहपर बोरामें बालु भरिक राखल सेहो भेटल छल । निर्वाचनके सन्दर्भमें आतंक सृजना करएलेल शंकास्पद बस्तु राखलगेल आशंका कएलगेल अछि ।