–नवीन कर्ण
पुस २२,नेपाली तथा मैथिली गीतसंगीत क्षेत्रके चर्चित गायकगायिका नितिन गजुरेल आ ज्योती विश्वकर्माके स्वर रहल मैथिली गीतिभिडियो ‘नैना नूकाक जे तकलौं’ रिलिज भेल अछि ।
युवा मैथिली अभियानी विद्यानन्द वेदर्दीक प्रस्तुती रहल इ भिडियो गीत वितल पुस १९ गते रविदिन यूट्यब चैनल ओएसआर डिजिटलपर रिलिज कएलगेल अछि । रिलिज होइते चर्चा तथा प्रशंसा हासिल करहल अहि भिडियो गीतमें मैथिली सिने क्षेत्रके चर्चित युवा मोडल अशोक आर्यन यादव आ सुप्रसिद्ध अभिनेत्री अञ्जली अधिकारीक सशक्त प्रेमिल अभिनय अछि । यूट्युबपर भाइरल भरहल उक्त गीतके श्ब्द लेखन युवा भाषा अभियानी तथा चर्चित गीतकार वेदर्दी स्वयं छथि । नितिन गजुरेल अहिगीतके संगीत कम्पोज कएने छथि तँ प्रसिद्ध संगीतज्ञ राजीव शाह गीतके एरेन्ज कएने छथि । तहिना सफल मोसन पिक्चर अहि भिडियोके पोस्ट प्रोडक्सन कएने अछि ।
मैथिली गीति भिडियोके नामपर सामाजिक संजालपर अश्लीलता फैलाबके तथा भाषाके बदनाम करके दुष्प्रयास न्युनिकरण करएके उद्धेश्यसहित गीति भिडियो निर्माण कएलगेल अभियन्ता एवम गीतकार बेदर्दी मैथिली अनलाईनके बतौनेछथि । प्यारोडी गीतके निर्माणकक सेहो मैथिली भाषाके सृजनात्मकता तथा मौलिकताके कमजोर करके काज भरहल हुनकर कहब अछि । गायक गजुरेल आ गीतकार वेदर्दीक एहिसँ पहिने ‘दिलके डायरी’ मैथिली म्यूजिक भिडियो सेहो सफलता हासिल क चुकल अछि ।
अहि लिंकपर अपनेसब उक्त गीत देख सकैत छी