सुनसरी । स्कार्पियो गाडीभितर नुका–चोराक तस्करी कएलजारहल पौने २ सौ किलो गाँजा सुनसरी प्रहरी बरामद कएने अछि ।
गाँजासंगे ओसारपसारमें संलग्न २ गोटेके सेहो प्रहरी पक्राउ कएने अछि । सुनसरीके बराहक्षेत्र नगरपालिका–११ स अवैध लागुऔषध गाँजा सहित २ गोटेके प्रहरी पक्राउ कएने अछि ।
सोमक राति प्रहरी चौकी मधुवनसँ खटल प्रहरी गस्ति टोली शंकास्पद अवस्थामें रहल बा.११ च ३०४२ नम्वरके स्कार्पियो गाडीके चेकजाँच करएके क्रममें गाडी भितर १ सौ ७५ किलोग्राम गाँजा आ नगद १ लाख १ हजार ४ सौ २५ रुपैया सेहो बरामद कएलक ।
गाँजा सँगे सवारी साधन आ चालक इटहरी उपमहानगरपालिका–४ सुनसरीके ३१ बर्षीय मनिस दर्नाल आ सहचालक ३१ बर्षीय योगेन्द्र बजगाईके प्रहरी पक्राउ कएने अछि ।
पकरलगेलसबके सुनसरी जिल्ला अदालतसँ म्याद थप कक लागु औषध नियन्त्रण ऐन २०३३ अनुासर इलाका प्रहरी कार्यालय महेन्द्रनगर मार्फत थप अनुसन्धान भरहल जिल्ला प्रहरी कार्यालय सुनसरी जानकारी देने अछि ।