विराटनगर । राष्ट्रिय प्रजातन्त्र पार्टीके नेतासब राजा सहितके प्रजातन्त्र बिना देशके समग्र विकास सम्भव नैरहल विचार ब्यक्त कएने अछि ।
विराटनगरके हडताली हाटमें शुक्रदिन आयोजन कएलगेल चुनावी सभामें बजनिहार ओहि पार्टीके उम्मेद्वार तथा नेतासब एहन विचार ब्यक्त कएने अछि । कार्यक्रममें बजैत राप्रपास क्षेत्र नम्बर ५ के प्रतिनिधि सभा सदस्य उम्मेदवार रेवतबहादुर थापा भ्रष्टाचार करएके प्रबृतिके प्रश्रय भेट रहलास देशके अधोगति भेल बतौलनि ।
भ्रष्टाचार न्युनिकरण कएलापर मात्र देशक बिकास गती लेत ओ बतौलनि । विगतमें राजा ज्ञानेन्द्र जनताके ईच्छा अनुसार अपनाद्वारा पहिरल श्रीपेंच जनताके सौंपलगेल बतबैत पछिला समयके अवस्थास देशमें फेरस राजसंस्थाके आवश्यकता देखाएल बतौलनि ।
देशके सहि दिशामें लजाएलेल राजा सहितके प्रजातन्त्र आवश्यक रहल हुनक कहब छल । नेता थापा विराटनगरके जुट मिलके संचालन कक बहुतो लोकके रोजगार सम्भव रहलोपर नेतृत्वमें पहुँचल नेतासब अनदेखा करहल दाबी कएलनि ।
राप्रपा जिल्ला समितिके सल्लाहकार दिलीप धाडेवा नेतासब गल्ती करहल अवस्थामें सेहो कार्यकर्ताद्वारा साथ देबएके प्रबृति अन्तके आवश्यकता रहल बतौलनि ।
राप्रपाके महानगर सभापति युव नारायण बैद्य देशके सही दिसा देबएलेल विकासमुखी नितिसब आवश्यक रहल बतबैत ताहिलेल सही जनप्रतिनिधिसबके चयन आवश्यक रहल बतौलनि ।