विराटनगर । मोरङ निर्वाचन क्षेत्र नम्बर ४ में पाँच दलीय गठबन्धन चुनावी अभियान तीव्र कएने अछि ।

क्षेत्रके विभिन्न पालिकासबमें प्रतिनिधि सभा सदस्य आ प्रदेशसभा सदस्य उमेदवारसब भेंटघाट तथा कोणसभा कार्यक्रम आयोजन करहल अछि । विराटनगर महागनरपालिका वडा नम्बर २ के विभिन्न टोलमें आयोजित घरदैलोमें सहभागी होइत प्रतिनिधि सभा सदस्य पदके उमेदवार नेकपा माओवादी केन्द्रके अमनलाल मोदी आ भीम पराजुली अपनेसब जनअपेक्षा अनुरुप विकासके थप गति देब आएल् बतौलनि ।

कटहरी गाउँपालिका वडा नम्बर २ के कदमगाछीमें आयोजित सभामें बजैत मोदी दू–दूबेर संसद विघटन भेलासँ विकासक काम प्रभावित भेल बतौलनि । लोकतन्त्र बचाबएलेल सेहो गठबन्धनके अवधारणा बनाएलगेल ओ बतौलनि ।

विगतके सरकारद्वारा कएलगेल काजके सुधार कक आगु बढनाई अपनसबहक जिम्मेवारी रहल मोदीके कहब छल । नेपाली कांग्रेसस मोरङ ४ ‘ख’ के प्रदेशसभा उमेदवार भीम पराजुली स्वयं एक कार्यकाल विराटनगर महानगरपालिकाके मेयरके रुपमें काम कचुकल अनभुव रहलास आब प्रदेशके विकासहेतु आग बढल बतौलनि ।

ओहि अवसरमें कदमगाछी टोलबासी उमेदवारद्वय समक्ष ताहि क्षेत्रके समस्याके विषयमें जानकारी करौने छल ।

सम्बन्धित खबरहरु