विराटनगरस्थित किराँत राई यायोक्खा प्रदेश १ के नाम किराँत प्रदेश राखएके मांगसहित निर्वाचनमें उठल उम्मेदवारसबके ज्ञापनपत्र देने अछि ।
अगहन ४ गते होबएबला निर्वाचन पश्चात जितक जाएबला जनप्रतिनिधीसबद्वारा प्रदेश १ के नामाकरण किराँत प्रदेश राखएके मागसहितके ज्ञापनपत्र उम्मेदवारसबके देने अछि । विराटनगर ११ स्थित साकेला थानमें किराँत राइ यायोक्खा विराटनगर महानगर कमिटिद्वारा शनिदिन एकटा कार्यक्रम आयोजनाकक मोरङस उठल प्रतिनिधी आ प्रदेश सभा सदस्यके उम्मेदवारसबके एकेठाम जमा कक प्रदेशके नामारण किराँत प्रदेश राखएके मागसहितके ज्ञापन पत्र बुझएने अछि ।
यायोक्खा मोरङ क्षेत्र नं. ४ स प्रतिनिधी सभा सदस्यमे गठबन्धनस उठल माओवादी केन्द्रके उम्मेदवार अमनलाल मोदी, मोरङ क्षेत्र नं. ५ मे जनता समाजबादी पार्टी आ नेकपा एमालेके गठबन्धनस प्रतिनिधी सभा सदस्यमें उठल उम्मेदवार राजकुमार यादव, मोरङ क्षेत्र नं. ६ मे प्रतिनिधी सभा सदस्यमें नेकपा एमालेके उम्मेदवार लालबावु पण्डित, प्रदेश सभा सदस्यके परशुराम बस्नेतलगायतक उम्मेदवारसबके किराँत प्रदेशके मांग साहितके ज्ञापनपत्र बुझएने अछि ।
किराँत राइ यायोक्खा विराटनगर नगर समितिके अध्यक्ष विष्णु राई उम्मेदवारसबके ज्ञापनपत्र बुझएने छलथि । कार्यक्रममें बजैत क्षेत्रनम्बर ४ के उम्मेदवार अमनलाल मोदी माओवादी सुरूवातेकालस पहिचानके आधारमें प्रदेश १ के नामरण करएके मांग करैत आएल बतौलनि ।
क्षेत्रनम्बर ५ के उम्मेदवार राजकुमार यादव अपन पार्टीके मुख्य मुद्धा पहिचानके आधारमें प्रदेशके नामांकरण रहल बतौने छलथि ।