विराटनगरस्थित श्रृष्टि बचत तथा ऋण सहकारी संस्था लिमिटेड बितल आर्थिक वर्षमें २ करोड ३९ लाख ८९ हजार ४ सौ ७ रुपैया आम्दानी कएने अछि ।
उक्त सहकारीके विराटनगरमें शनिदिन भेल २६ म वार्षिक साधरणसभामें सहकारी अध्यक्ष मोहन प्रसाद भट्टराईद्वारा प्रस्तुत कएलगेल प्रतिवेदन अनुसार आर्थिक वर्ष २०७८÷०७९ में ३३ करोड १४ लाख ९ हजार ८ सौ ७ रुपैयाँ कारोबार कएलगेल एवम संस्था २ करोड २९ लाख ६६ हजार ५६ रुपैयाँ खर्च कएलक बताओलगेल अछि ।
सहकारीके २ करोड २८ लाख ६४ हजार १ सौ रुपैयाँ शेयरपूँजी रहल अछि तथा निक्षेप १० करोड ५३ लाख ८८ हजार ५ सौ ९७ रुपैया रहल अछि । साधारण सभामें बजैत राष्ट्रिय सहकारी महासंघक उपाध्यक्ष तथा राष्ट्रिय सहकारी बैंकके सल्लाहकार रमेश प्रसाद पोखरेल देशके आर्थिक विकासमें सहकारीसबहक भूमिका महत्वपूर्ण रहल बतौलनि ।

ओ देशभरिकें २४ हजार सहकारीमें ७४ लाख लोक आवद्ध रहल जानकारी करबैत ताहिमध्य ३९ प्रतिशत महिला आवद्ध रहल बतौलनि । नेपालमें सहकारीसबहक बार्षिक कारोबार १२ खर्बके रहल ओ बतौलनि । कार्यक्रमकेबीच असल बचतकर्ताके रुपमें चन्द्रमणी ढकाल आ शोभादेवी भगतके सम्मान कएलगेल छल ।
तहिना असल ऋणीसबमें शकुन्तला देवी सरदार आ सिताराम महतोके सम्मान कएलगेल छल । सहकारीके अध्यक्ष मोहन प्रसाद भट्टराईके सभापतित्वमें भेल कार्यक्रमके संचालन सहकारीके सचिब नारायण धमला कएने छलथि ।
अहि सहकारीमें ९ सौ २७ महिला आ ८ सौ १९ पुरुष कक जम्मा १ हजार ७ सौ ४६ गोटे शेयर सदस्य रहल अछि ।





