विराटनगर । छैठ पाबनिके पूर्व सन्ध्यामें बजारमें पुजा सामाग्री खरीद केनिहारक भीड लागल अछि ।
फलफुल, बाँसक समाग्री आ माटिके बर्तनके अत्यधिक माग होबएबला अहि पाबनिके पूर्वसन्ध्यामें विराटनगर बजारमें उक्त समाग्री सबहक अम्बार लागल अछि । विराटनगरको गुद्री बजार लगक सडक कातमें ब्यापारीसब दोकान सजाक व्यापार करहल अछि । बाँसके ढाकी, सुपती आ सूपक व्यापार बढल अछि ।
एकटा समान्य बाँसक ढाकी ३ सौ रुपैया, सूप २ सौ रुपैया आ सूपती डेड सौ रुपैयामें किनबेच भरहल अछि । अहि समयमें माटिसँ बनाएलगेल सामाग्रिके माग सेहो अत्याधिकरुपमें बढैत अछि । माछिक घैला, दीप, ढकना, सरबा लगायतक समाग्रिके खुब किनबेच होइत अछि ।
तहिना केरा, नारीयल, कुसियार आ टाभ नेमों सेहो अत्यधिक किनबेच भरहल अछि । केराके घडीके अत्याधिक माग होबएबला अहि पाबनिलेल व्यापारी बाहरसँ सेहो केरा आयात कएने अछि । छठि पाबनिमें उगैत आ अस्त भरहल सूरुज भगवानके फलपुल सहितक समाग्रिसब नैवेद्य चढाबएके प्रचलन रहलासँ उक्त समाग्रि सबहक खरीदबिक्री बढल अछि ।
आन समयमें डोम समुदायक ब्यक्तिसबके छुवाछुत आ हेयके दृष्टिसँ देखएके कुरिति रहलोपर अहि पाबनिमें डोम समुदायद्वारा बनाएलगेल बाँंसक सामाग्रि शुद्ध मानिक प्रयोग कएलजाइत अछि ।