विराटनगर । १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालय विराटनगर विविध कार्यक्रम करैत ६७ म प्रहरी दिवस मनौने अछि ।
ओहि अवसरमें अमर प्रहरीसबके श्रद्धाञ्जली अर्पण कएलगेल छल । कार्यक्रममे १ नम्बर प्रदेशक आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्री केदार कार्की, १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालयके निमित्त कार्यालय प्रमुख प्रहरी बरिष्ठ उपरीक्षक राजेशनाथ बास्तोला लगायत प्रदेश प्रहरी कार्यालयस्थित अमर प्रहरी स्मारकपर पुष्पहार अर्पण करैत श्रद्धाञ्जली अर्पण कएलनि ।
ओहि क्रममें कर्तब्य पालनाके शिलशिलामें वीरगती प्राप्त केनिहार अमर प्रहरी परिवारके नगद तथा कदर पत्रद्वारा सम्मान करएके साथे प्रहरी भवन निर्माणहेतु जमिन दान देनिहार जग्गादातासबके कदरपत्र सहित सम्मान कएलगेल छल । तहिना उत्कृष्ट कार्य केनिहार प्रदेश प्रहरी तालिम केन्द्रके समादेशक प्रहरी बरिष्ठ उपरीक्षक राजेश नाथ बास्तोलाके नगद पुरस्कार आ प्रहरीके सहयोग केनिहार संघ संस्था तथा स्थानीय तहके सम्मान पत्रस सम्मान कएलगेल छल ।
कार्यक्रमके सम्बोधन करैत मन्त्री कार्की समाज आ देशमें शान्ति सुरक्षा कायम करएमें प्रहरीके भुमिका प्रशंसनिय रहल बतौलनि । कार्यक्रमकबीच उत्कृष्ट अंक हासिल केनिहार प्रहरीके धियापुता, बिभिन्न बिद्यामें उत्कृष्ट कार्य सम्पादन केनिहार प्रहरी कर्मचारीसबके प्रदेश प्रहरी तालिम केन्द्रके समादेशक प्रहरी बरिष्ठ उपरीक्षक राजेश नाथ बास्तोला छात्रवृती प्रदान कएने छलथि ।
तहिना बिभिन्न क्षेत्रमें उत्कृष्ट कार्य केनिहार प्रहरी कर्मचारीसबके १ नम्बर प्रदेश प्रहरी कार्यालयके प्रहरी बरिष्ठ उपरीक्षक जयराज सापकोटा पुरस्कृत कएने छलथि । प्रहरी दिवशके अवसरमें आयोजन भेल बिभिन्न खेलकुदमें पुरस्कृत भेल खेलाडीसबके बिराटनगर महानगरपालिकाके प्रमुख नागेश कोईराला आ १ नम्बर प्रदेश आन्तरिक मामिला तथा कानून मन्त्रालयके सचिव उमेश बस्नेत पुरस्कार बितरण कएने छलथि ।
प्रहरी दिवशके अवसरमें १ नम्बर प्रदेश प्रहरी श्रीमती संघके महासचिव अजिता बास्तोला अमर प्रहरी परिवारजनके दोसल्ला ओढाक सम्मान कएने छलथि । अहिबीच अहिबर्षक १ लाख धनराशीके आठम साधनादेवी प्रहरी पराक्रम पुरस्कार प्रहरी सहायक निरीक्षक भक्त बहादुर बिष्ट आ प्रहरी हवल्दार हुमेन्द्र प्रसाद यादबके प्रदान कएलगेल अछि ।
प्रदेश भरिस उत्कृष्ट कार्य केनहिार हुनकासबके ६७ म प्रहरी दिवसके अवसरमें प्रदेश प्रहरी कार्यालय बिराटनगर पुरस्कृत कएने अछि ।