विराटनगर । डेंगुके प्रकोप नियन्त्रणहेतु संयुक्त प्रयास आवश्यक रहल विराटनगरमें आयोजित एकटा कार्यक्रमक वक्तासब बतौने अछि ।

महानगरपालिकाके स्वास्थ्य महाशाखाद्वारा आयोजन कएलगेल बहु सरोकारवाला निकायसंग डेंगु रोग नियन्त्रण सम्बन्धि अभिमुखिकरण कार्यक्रममें बजनिहार वक्तासब एहन धारणा रखने अछि । डेंगु नियन्त्रणहेतु एकर वाहक मच्छडके नष्ट केनाई उत्तम उपाय रहलास सबहक साझा प्रयासस मात्र से सम्भव होएत कार्यक्रममें बताओलगेल छल ।

कार्यक्रममें डेंगु रोग सम्बन्धि बिस्तुत प्रस्तुतीकरण रखैत विपी कोईराला स्वास्थ्य विज्ञान प्रतिष्ठानक इन्टर्नल मेडिसिन विभागके असिस्टेन्ट प्रोफेसर डाक्टर सुरेन्द्र उराँव डेंगु किटजन्य सरुवा रोग रहल बतबैत हाल ई रोग देशके ६८ जिल्लामें फैलचुकल जानकारी देलनि ।

टाईगर मस्क्युटो कहाएबला एडिस एजिप्टी आ एल्बोपिक्ट्स नामक मच्छड ई रोग फैलारहल ओ बतौलनि । डेंगुस संक्रमित भेल ब्यक्तीमें ३ दिनस १० दिनधरि एकर संक्रमण रहैत अछि डाक्टर उराँव बतौलनि । विभिन्न ४ प्रकारके डेंगु रोग रहलामें टाईप १ आ २ ओतेक बेसी खतरनाक नै रहल मुदा टाईप ३ आ ४ बेसी खतरनाक रहल ओ बतौलनि ।

डेंगुके संक्रमण भेलापर आराम करएके साथे स्वास्थ्य संस्थामें जाक उपचार लेवाकचाहि ओ बतौने छलथि । विराटनगरमें एखनिधरि ९० गोटे संक्रमित पत्ता लागिचुकल कार्यक्रममें बताएलगेल छल । यद्यपि डेंगुके जाँच निजी क्लिनिकसबमें सेहो किटस भरहलास संक्रमितके सही तथ्यांक नै आबिसकल बताओलगेल अछि ।

डेंगु नियत्रण हेतु १९ ओ वडामें मच्छर मारएबला औषधि छिटलजाचुकल तथा स्वास्थ्यकर्मी आ स्वास्थ्य स्वयंसेविकासबके डेंगुके बिषयमें प्रशिक्षण देलगेल महानगर जनस्वास्थ्य महाशाखाके हैदर अलि जानकारी देलनि । कार्यक्रममें सहभागि वक्तागण डेंगु फैलाबएबला मच्छड जमल साफ पानीमें अण्डा दरहलास घरमें राखल गमलामें पानी नै जमदेबके,पुरना टायरसबमें जमल पानी हटाबए लगायतक सर्तकता अपनाएल जेबाकचाहि कार्यक्रममें बताएलगेल छल ।

तहिना डेंगु नियन्त्रणकेलेल डेगु मच्छरके खोजी आ नष्ट अभियान प्रभावकारीरुपमें संचालन कएलजेवाकचाहि बताओलगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु