विराटनगरके बरिष्ठ समाजसेवी दीनबन्धु गोयलके भब्य नागरिक अभिनन्दन कएलगेल अछि ।

समाजसेवी दीनबन्धु गोयल नागरिक अभिनन्दन समारोह समितिद्वारा शुत्रदिन विराटनगरके सिटि पार्टी पैलेसमे आयोजन कएलगेल भब्य कार्यक्रमकबीच समाजसेवी गोयलके नागरीक अभिनन्दन कएलगेल अछि । संघीय नेपालक प्रथम राष्ट्रपति डाक्टर रामवरण यादव गोयलके कदरपत्र आ दोसल्ला सहित सम्मान कएलनि ।

ओहि क्रममें हुनक धर्मपत्नी उषादेवी गोयलके सेहो फुलमाला आ दोसल्ला ओढाक सम्मान कएलगेल छल । तेकरबाद लगभग ३ सौ विभिन्न संघसंस्था आ तेकर पदाधिकारी गोयलके कदरपत्र आ दोसल्ला सहित अभिनन्दन कएने छल । ओहि अवसरमें बजैत नागरीक अभिनन्द समारोह समितिके अध्यक्ष सुरेशकुमार शर्मा बिगत दु दसकसँ गोयल शिक्षा,स्वास्थ्य आ विपन्न समाजके केन्द्रबिन्दु बनाक निस्वास्र्थ समाजसेवा करैत अएलास हुनका नागरीक सम्मान कएलगेल बतौने छलथि ।

कार्यक्रममें बजैत गणतन्त्र नेपालक प्रथम राष्ट्रपति यादव समाजसेवाके क्षेत्रमें समाजसेवी गोयलके योगदान प्रशंसनिय आ उदाहरणिय रहल बतौलनि । समाज भितरके सब समुदायके एकताबद्ध कक आगा बढलापर मात्र देशक समग्र विकास सम्भव होएत ओ बतौने छलथि ।

एक दर्जन उद्योग स्थापना कक तेकर सफल सञ्चालन केनिहार गोयल एखनि लगभग दु सय सामाजिक संघसंस्थामें आवद्ध छथि । ओ एक दशक पहिनेस औद्योगिक जीवनस बिश्राम लक सामाजिक क्षेत्रमें क्रियाशिल होइत आएल छथि । उद्योग ब्यापारस आर्जित भेल रकममेंस अधिकांश रकम ओ गरीब दुखी र समस्यामें रहल लोकसबके हितमें खर्च करैत आएल छथि ।

नागरिक अभिनन्दनहेतु शर्माके अध्यक्षतामें १७ सदस्यीय कार्य व्यवस्थापन समिति, १३ सदस्यीय सल्लाहकार समिति आ ४ सय ७५ सदस्यीय मूल समारोह समिति गठन कएलगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु