विराटनगर । बिजयादसमीके अवसरमें विराटनगरमें बनाएलगेल दुर्गा भगवतीके मुर्तिसब शुक्रदिन भसाओलजाएत ।

बिजयादसमीके दोसरदिन मुर्ति भसाबएके परम्परा रहलोपर अहिबेर दसमीके दोसरदिन बृहस्पति परलासँ शुक्रदिन मुर्ति भसाओलजाएत । बृहस्पतिदिन मुर्ति नैभसाबएके मान्यताके कारण अहिबेर एकदिन बिलम्बसँ शुक्रदिन मुर्ति भसान होएत विराटनगर तिनपैनीस्थित श्री विराट राम मण्डल दुर्गा पुजा समितिके लल्कु सहनी जानकारी देनेछथि ।

महानगरपालिका क्षेत्रभितर निर्माण कएलगेल अधिकांश मुर्तिसब कोशी ब्यारेज सहित सिंघीया आ लोहन्द्रा नदीमें भसाओलजाईत अछि । अहिबेर सेहो महानगरके तिनपैनी,पोखरिया,धरानरोड,जल्जला रोड,घोघापुलचौक,दुर्गाचोक,सरौचिया आ रानी लगायतक दर्जनों स्थानमें देवी दुर्गाके भब्य मुर्तिसब स्थापना कएलगेल अछि ।

दसमी आबएसँ एक महिना पहिनहिंस विराटनगरमें पण्डाल आ टेन्ट लगबैत दुर्गा पुजाके तयारी शुरु भजाईत अछि । दुर्गा पुजाके आयोजनास दसमीके रौनक आओर बढिजाईत अछि । दुर्गापुजाके अवसरमें अष्टमी,नवमी आ दसमी तिन दिनधरि दुर्गापुजा स्थलसबमें मेला लगैत आएल अछि ।

नगरक्षेत्रमें आयोजना कएलजाएबला सब दुर्गापुजा स्थानियवासीके सहयोगसँ आयोजन होइत आएल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु