विराटनगर । ३२ म अन्तर्राष्ट्रिय ज्येष्ठ नागरिक दिवसके अवसरमें विराटनगरमें १०३ बर्षिय ज्येष्ठ नागरीक सहित १४ गोटेके सम्मान कएलगेल अछि ।

ओहि अबसरमें ८५ बर्षसँ बेसी उमर रहल १४ गोटे ज्येष्ठ नागरीकके सम्मान कएलगेल अछि । प्रदेश एकके सामाजिक विकास मन्त्रालयसंगके समन्वयमें १ नम्बर प्रदेश ज्येष्ठ नागरिक महासंघ तथा ज्येष्ठ नागरिक जिल्ला संघ मोरङ कार्यक्रमके आयोजन करैत ज्येष्ठ नागरीकसबके सम्मान कएने अछि ।

कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि सामाजिक विकास राज्यमन्त्री बिष्णु तुम्बाहाम्फे आ १ नम्बर प्रदेश ज्येष्ठ नागरिक महासंघके अध्यक्ष मणिकुमार अज्र्याल ज्येष्ठ नागरीकसबके दोसल्ला,फुलमाला आ नगदसहित सम्मान कएलनि । ओहि क्रममें विराटनगर १२ के १०३ बर्षिय धनमाया भट्टराई,सैह ठामक ८५ बर्षिय लक्ष्मिदेबी रम्तेल,विराटनगर १० के ९१ बर्षिय यसोदादेबी घिमिरे,सैह ठामक ८७ वार्षिय शिवरतन लखौटिया आ बुढीगंगा ३ के दिलमाया थापा लगायतके सम्मान कएलगेल छल ।

ओहि अवसरमें बजैत महासंघक प्रदेश अध्यक्ष अज्र्याल जेष्ठ नागरिकसब अनुभवके खानी रहलासँ नयाँ पुस्ताके हुनकासबस लाभ लेबाकचाहि बतौलनि । ओ ज्येष्ठ नागरीकके पक्षमे रहल कानुनसब प्रभावकारीरुपमें कार्यान्वय नै भसकल बतबैत ज्येष्ठ नागरीकसबके निशुल्क उपचारके ब्यवस्था करबाक मांग कएलनि ।

अध्यक्ष अज्र्याल प्रत्येक वडासबमें ज्येष्ठ नागरीक लक्षित पार्कके निर्माण करबाक माग सेहो कएलनि । कार्यक्रममें राष्ट्रिय मानवधिकार आयोग विराटनगरके फोकल पर्सन गीता दहाल ज्येष्ठ नागरीकके हकमे रहल कानुनी ब्यबस्था आ सामाजिक दायित्व विषयक कार्यपत्र प्रस्तुत कएने छलथि ।

अहिबर्ष परिवर्तित संसारमें ज्येष्ठ नागरिकके उत्थानशिलता नारा सहित दिवस मनाएलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु