राजविराज । मैथिलीक सक्रिय संस्था सप्तरी, राजविराज स्थित मिथिला साहित्य कला-प्रतिष्ठान नेपाल (मिलाफ नेपाल) द्वारा १० सितम्बरके राजविराजमे ‘जितिया पर्व समारोह २०७९’ तथा मैथिली साहित्यिक गोष्ठी श्रृंखला ५८ एके सङ्ग आयोजित कएल गेल ।
राजविराजक कार्यवाहक नगर प्रमुख इसरत परविनके प्रमुख आतिथ्य आ मिलाफ नेपाल अध्यक्ष रमिला साहक अध्यक्षतामे आयोजित उक्त समारोहमे मैथिली लोकगीत गायन प्रतियोगिता समेत राखल गेल छल। मिथिलाक हिन्दू महिलासभहक कठोर नियम निष्ठाक जितिया पावनिमे महिलासभहक बेस आस्था अछि। कार्यक्रममे जितिया पाबनिके महत्व आ विशेषता विषयमे मिलाफ नेपालक संस्थापक अध्यक्ष देवेन्द्र मिश्र अपन विचार रखने छलनि।
लोकगीत गायन प्रतियोगितामे १८ गोटे महिला सहभागी भेल रहथि। प्रतियोगिताक निर्णायक समितिमे गीतकार देवेन्द्र मिश्र, गायिका एवं गीतकार किरण झा आ गायक सरोज राम रहथि । उक्त प्रतियोगितामे प्रथम बरही विरपुरक सावित्री देवी राम, द्वितिय राजविराजक विनिता कर्ण, तृतीय प्रतिमा देव आ सांत्वना पुरस्कार रीता कर्ण आ गुलजारी देवी प्राप्त कएलनि।
जितिया महिलासभहक महान पर्व तथा अछिए संगे महिला सशक्तिकरण करबा एकटा महत्वपूर्ण अवसर सेहो अछि। महिलाक हाथे नेतृत्व आबके आवश्यक्ता छै, आइके बेजोड उपस्थितिसँ महिलासभ अपन संस्कृति संरक्षण लेल तत्पर रहल बुझाइत अछि जइँमे हम सदैव सङ्ग छी, कार्यक्रमक प्रमुख अतिथि इसरत परविन कहलनि ।
तहिना साहित्यिक श्रृंखलामे कवि सत्येन्द्रनाथ चाैधरी, गजेन्द्र गजुर, राज राय, अभय प्रसाद यादव आ साङ्गीतिक प्रस्तुतिमे ललिता झा, सरोज राम, मीना ठाकुर, किरण झा, विमला देव आदी प्रस्तुति रखने छलनि ।
तहिना उक्त कार्यक्रममे मैथिली साहित्य परिषद्क पूर्व अध्यक्ष विष्णु मण्डलक विशिष्ट आतिथ्य, शुटिङ संघ नेपालक अध्यक्ष शशिकला मानन्धर, साहित्यकार मनोहर पोखरेल आ मधेश लाइभ डट कमके सम्पादक पत्रकार प्रिया सिंह थारूक समेत उपस्थिति रहल छल।
उक्त कार्यक्रममे महिलासभकेँ सीनुर, टीकुली सनेश आ खान-पानमे दही चुरासबके खुआएल गेल छल । कार्यक्रमक उद्घोषण मिलाफ नेपालक संस्थापक सदस्य शम्भु श्री कएने छलनि।